Skip to main content

ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-2

ब्लॉग पर वीडियो डालिsक कमाई के किछ तरीका सं अहां सभ पिछला पोस्ट मे जानलौं. आई हम एहि पोस्ट मे बताएब जे अहां आओर कोन- कोन वीडियो साइट सं कमाई करि सकय छी.

यूट्यूब मे अहां अपन लेल वीडियो के अपलोड करि ओकर हिट आ लोक के देखय के अनुसार पाई कमाए छी. जतेक बेसि लोक देखलाह ओतेक बेसि पाई
अहां कमाएब.

मुदा एकटा बात अहां के ध्यान राखय पड़त जे गूगल एनालैटिक के अनुसार एक कंप्यूटर आई सं एक दिन मे एक वीडियो पर एकटा व्यू मानल जाएत. एहि लेल एक कंप्यूटर से बेर-बेर ओहि पर हिट नहि होबाक चाही. अगर होएत तं ओकर फायदा नहि मिलत.

अहांक वीडियो आ विज्ञापन के हिट अलग-अलग आईपी सं होबाक चाही. एहि लेल अहां जतेक बेसि दोस्त...परिचित के अपन वीडियो देखय लेल बता सकैत छी बता देल करु.

यूट्यूब जकां दोसर साइट्स अछि मॉनसूनएड्सवीडोपिया  आओर जिवॉक्स. एहि साइट...एजेंसी पर जाsक अहां एकर पब्लिशर अकांउट मे अपन खाता खोलि लिअ. रजिस्टर करला के बाद अहां अपन वीडियो डालि सकय छी आओर ओकर वीडियो अपना ब्लॉग पर डालि कमा सकय छी. तीनू के लिंक अछि...

http://www.monsoonads.com/publishers.html

http://www.vdopia.com/?page=publisherslist

http://www.jivox.co.in/publishers

एकरे संग एकटा साइट अनरुली मीडिया पर जाsक अहां अपना कि रजिस्टर करि लिअ. एहि साइट पर रजिस्टर करला के बाद अहां एहि एजेंसी के वीडियो वाला विज्ञापन के अपन ब्लॉग...साइट पर लगा सकय छी.

http://www.unrulymedia.com/

एहि साइट के पब्लिशर सेक्शन मे अहां के विज्ञापन वाला वीडियो के कोड मिलत. ओहि कोड के अहांके अपना ब्लॉग पर डालय पड़त. हर क्लिक...लोक के देखला पर अहां के सेंट...डॉलर में पाई मिलत.

जखन अहांक खाता मे एक सय डॉलर भ जाएत तं ओ अहां के चेक सं आ फेर पेपाल अकाउंट आ फेर बैंक अकाउंट मे पाई भेज देत. नीक रहत जे अहां अपन पता द चेक सं पाई मंगाबी. ओना पेपाल अकाउंट सेहो नीक रहत.

अपन बैंक के जानकारी देनाय नीक नहि रहत. ओहि बैंक के जानकारी द सकय छी जेहि मे आमतौर पर अहां पाई नहि रखैत छी. किएक तं आईकाल्हि फ्राड सेहो बहुत होएत अछि. पासवर्ड हैक भेलाह पर नुकसान उठाबय पड़ि सकैत अछि. एहि लेल सावधानी बरतनाए नीक रहत.

अनरुली मीडिया जैसन एकटा आओर साइट अछि  http://www.goviralnetwork.com/  एहि पर अहां सेहो अपना के रजिस्टर करि एकर कोड अपन ब्लॉग पर डालि सकय छी.

गोविरल नेटवर्क सेहो अहां के नीक पाई दैत अछि. एहि मे दुनिया भर के कई नामी कंपनी सभ के छोट-छोट विज्ञापन रहैत अछि. जे विज्ञापन...एड अहां टीवी पर देखैत छी. एकर एड अंतर्राष्ट्रीय क्वालिटी वाला रहैत अछि.

एहि पर अहां के कई फिल्मक ट्रैलर सेहो रहैत अछि. फिल्म के ट्रैलर देखनाए लोक विशेष पसंद सेहो करय छथिन्ह. एहि तरहक एड के कोड अपन ब्लॉग-साइट पर डालि अहां नीक पाई कमा सकैत छी.

मुदा ध्यान राखब जे एक ब्लॉग पर एकहि एजेंसी...एकहि साइट के वीडियो कोड रहय. एहि सं अहां के ओहि साइट...एजेंसी के कोड के कमाई के हिसाब राखय मे सेहो नीक रहत आओर ब्लॉग गजमज...गजमज नहि लागत.

बेसि कमाए लेल अहां पहिने ओहि कोड के अपना ब्लॉग पर डालि लिअ. फेर जे पोस्ट...स्टोरी होए ओकर लिंक के फेसबुक...ट्विटर आ दोसर नेटवर्किग साइट पर लोक सभ के देखय लेल डालि सकैत छी.

एहि सं काफी लोक ओहि वीडियो...विज्ञापनक के देखि सकैत छथिन्ह. चूंकि विज्ञापन...एड के वीडियो काफी इंटेरेस्टिंग होएत अछि एहि कारण लोक सेहो नहि अघैताह... हुनका ओह वीडियो के देखय मे मजा अएतन्हि.
लोक के मनोरंजन आ अहां के कमाई. अछि नहि मनोरंजक.

तं देर नहि करु जे लिंक देल गेल अछि ओहि पर अपन अकाउंट खोलि अहां कमाई करि सकैत छी.

आई के लेल एतबा...आगां दोसर विज्ञापन सभ डालि केना कमाई करि से बताएब. तं जुड़ल रहुं हेलो मिथिला सं. अहां अपन विचार राखनाय नहि भूलब. अपन कमेंट जरूर देब. धन्यवाद.


ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-1

Comments

  1. Janopiyogi and utkristh vichar debak lel bahut bahut dhanyabad Hitendraji.

    Krishna K Jha
    Indore

    ReplyDelete
  2. Dhanyawad Krishnajee. barh neek laagal. ehina utsaah barhabait rahiyau.

    Dhanyawad

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...