Skip to main content

दिल्ली मे मैलोरंगक सुर समाद

दिल्ली के भीषण गर्मी आओर आईपीएल के फाइनल मैच होबए के बावजूद रविदिन 27 मई के राजेन्द्र भवन खचाखच भरल छल. मिथिलावासी के थापड़ि सं गूंज रहल छल.

मौका छल मैथिलीक लोकप्रिय गीतकार सुधीर कुमार जीक गीत रचना संसार पर आयोजित सुर समादक. मैलोरंग के तरफ सं भेल एहि आयोजन मे मैथिलीक
तमाम गायक-गायिका मौजूद छलाह.

सुधीर जी करीब चारि सय गीत लिख चुकल छथिन्ह आओर करीब-करीब मिथिलाक सभ गायक हिनकर गीत गाबि चुकल छथिन्ह. मुदा जेना कि होएत अछि हम सभ गायक-गायिका आ नायक-नायिका के जानैत छी... सुधीर जीक नाम सं अपरिचित छलहुं.

एहि के लेल मैलोरंग बधाई के पात्र अछि जे सुधीर जीके केंद्र मे राखि एहि कार्यक्रम के एतेक नीक ढंग सं कएल गेल. सुधीर जी काफी युवा आओर जोश सं भरल छथिन्ह.

सुधीर जी कहलखिन्ह जे हमरा तं एहि क्षेत्र सं जुड़ल सभ लोक जानिते छी... आब अहां सभ के नव-नव लोक के...नव-नव गीतकार के मौका देबाक चाही. मैथिली के नव-नव गीतकार के जरूरत अछि. अहां सभ हुनका सभ के प्रोत्साहन दिऔ.

सुर समाद के शुरुआत सुधीर जीक लिखल बिहार गीत सं भेल. एहि पर नृत्य सेहो भेल... तनीशा ...बॉबी आओर ज्योति बड़ नीक नृत्य कएलीह.

एहिके बाद देवानंद जी सरस्वती वंदना आओर दूध रोटी गूड़ि कs खुआ दे गएलाह. देवानंद जीक आवाज मे बड़ मिठास छनि. सरस्वती वंदना सं माहौल एकदम भक्तिमय भ गेल.

एहि के बाद अएलीह गायिका ऋचा ठाकुर जी... ऋचा ठाकुर जी शारीरिक रूप सं असमर्थ छथीह. हिनका किछ लोकनि कुर्सी पर उठाsक मंच पर अनलाह. शारीरिक रूप सं कमजोर होएतहुं ऋचा ठाकुर जीक आवाज एकदम दमदार छनि... ऋचा ठाकुर जी दू टा गीत गएलीह पहिल सिहैक कs पुरवा बदन सिहराबै... आ दोसर कहबो कि बहिना बैरन भेल कंगना.

एहि के बाद सुनील कुमार पवन जी अएलाह. रविदिन हिनकर जन्मदिन सेहो छलन्हि. पवन जीक बाद कुमकुम मिश्र जी आबि जाउ कटनी मे गाम हेऔ सजना गयलीह.

एहि के बाद दर्शक सभ के जोश मे भरि देलाह विकास झा जी... हिनकर दिल्ली...मंबई असम वाला गाना पर लोक सभ झूमि उठलाह.

दर्शक के झूमाबय के क्रम अंजू झा जी सेहो जारी रखलीह. हिनकर खनकैत आवाज सं श्रोता सभ मंत्रमुग्ध भ गेलाह.


एहि के बाद अएलाह धनिक लाल मंडल जी. हमरा हिनका सुनय के कहिओ मौका नहि मिलल छल. बड़ नीक गाबय छथिन्ह धनिक लाल मंडल जी. एकटा बात सेहो पता चलल जे धनिक जी आई तक जतेक गीत गएलखिन्ह ओ सभ सुधीर जीक लिखल छलन्हि.


ओना हमरा एहि कार्यक्रम मे जाए के एक कारण सुरेश पंकज जीके सुनय के छल मुदा कोनो कारण से ओ नहि आबि सकलखिन्ह. सुरेश पंकज जीक हम प्रशंसक मे सं छी. कइटा कार्यक्रम मे हुनका सुनय लेल मिलल अछि ओ श्रोता के एकदम सं बांधि क राखि दैत छथिन्ह. सुरेश पंकज जी... हरिनाथ झा जी...कुंज बिहारी जी के बेसि सुनय लेल मिलल अछि हमरा.

कार्यक्रम बड़ नीक भेल. एहन कार्यक्रम सभ होएत रहबाक चाही. एहि लेल मैलोरंग नीक काज करि रहल अछि.

मैलोरंग के संग एकटा नीक बात इहो अछि जे कार्यक्रम समय पर शुरू करय के कोशिश करय छथिन्ह. एहि सं लोक अघाय नहि छथिन्ह. मुदा एहि गर्मी मे जगह के चयन कनि खटकल. राजेन्द्र भवन पहुंचय लेल जिनका पास घोड़ा-गाड़ी नहि छनि हुनका कनि पैदल चलय पड़य छनि आओर अगर एहि ठाम किछ हल्का खाय-पीबय चाही त ओकर व्यवस्था आसपास नहि देखायत अछि.

लोकेशन के हिसाब सं मंडी हाउस बेस्ट अछि आओर मैलोरंग के अगिला कार्यक्रम सेहो मंडी हाउस मे होबए जा रहल अछि. मुदा ओहि मे अखन टाइम अछि.

Comments

  1. Programme bahut neek rahai. Prakash Babu ke bahut dhanyabad.
    Jai Mithila Jai Maithily.

    Apnek
    Vibhay Kumar Jha
    www.VKJha.in

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...