नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे रवि दिन 20 तारीख के मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली मे रहय वाला मिथिलावासी के लेल एकटा नीक खबर अछि. दिल्ली मे मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह होबए जा रहल अछि.

गीतनाद सं भरल ई समारोह रवि दिन 20 मई के मावलंकर हॉल मे होएत. समारोहक टाइम अछि सांझ के 4 बजे सं राति के दस बजे धरि. ई अहां के कंस्टीट्यूशनल क्लब
मे पटेल चौक और केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्टेशनक पास अछि. एकर पास मे कृषि भवन... प्रेस क्लब... रेल भवन...यूएनआई सभ अछि. आबय मे कोनो कष्ट नहि होएत.

एहि मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह मे अपन मिथिलाक मशहूर कलाकार सभ गीतनाद आओर नृत्य केर कार्यक्रम पेश करताह.

जिनका अहां कैसेट आ टीवी पर देखय सुनय छी हुनका मंच पर देखय सुनय केर मौका मिलत. एकदम सं झमकौआ- झमकौआ गाना सभ सुनय लेल मिलत.

ई मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं भ रहल अछि. विजय चंद्र झा जी अखिल भारतीय मिथिला संघ के प्रति एकदम सं समर्पित छथिन्ह.

मिथिला मैथिलीक विकास के लेल विजय जी परदा के पाछां सं काफी काज करि रहल छथिन्ह. मैथिली के संविधान के अष्टम अनुसूची मे शामिल करयबाक मामला होए आ फेर अपन बिहारी लोक सभ के दिल्ली मे कोनो कष्ट परेशानी के दूर करय के ओहि मे विजय के अहम योगदान रहलन्हि. ई बात दोसर अछि जे हिनकर काज के श्रेय किनको आर मिल जाए छनि.

पिछला बेर हिनकर मैथिलीक समारोह मे जाए केर मौका मिलल छल. बड़ नीक सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल छल. मिथिलाक मैथिलीक सभ किछ के लsक चलय वाला कार्यक्रम नहि के बराबर देखय लेल मिलैत अछि.
गीतनाद-नृत्यक कार्यक्रम एतेक नीक होएत अछि जे लोक शुरू सं अंत धरि कुर्सी सं चिपकल रहय छथिन्ह.

अखिल भारतीय मिथिला संघ पिछला 41 साल सं मिथिलाक विकास मे अहम योगदान देबय वाला लोक सम्मानित करैत आबि रहल अछि. एहि बेर सेहो एहि समारोह मे एहिने किछ लोक के सम्मानित सेहो कएल जएतन्हि.

एहि समारोहक मुख्य अतिथि छथीह दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित, एमपी प्रभात झा, हुकुमदेव नारायण यादव, कीर्ति आजाद आओर महाबल मिश्रा. विशिष्ट अतिथि मे छथिन्ह निशिकांत ठाकुर जी...विधायक अनिल झा...डॉ एससीएल गुप्ता...गौरी शंकर राजहंस श्रीमती मृदुला सिन्हा आओर अनिल कुमार शर्मा जी.

तं भेंट होएत अछि रवि दिन मावलंकर हॉल मे... समारोह के बारे मे कोनो जानकारी चाही तं अहां रामचंद्र चौधरी जी के 9811030834 पर आ फेर विजय चंद्र झा जी के 9868903791 पर फोन करि सकय छी.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु