Skip to main content

दिल्ली मे रवि दिन 20 तारीख के मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली मे रहय वाला मिथिलावासी के लेल एकटा नीक खबर अछि. दिल्ली मे मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह होबए जा रहल अछि.

गीतनाद सं भरल ई समारोह रवि दिन 20 मई के मावलंकर हॉल मे होएत. समारोहक टाइम अछि सांझ के 4 बजे सं राति के दस बजे धरि. ई अहां के कंस्टीट्यूशनल क्लब
मे पटेल चौक और केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्टेशनक पास अछि. एकर पास मे कृषि भवन... प्रेस क्लब... रेल भवन...यूएनआई सभ अछि. आबय मे कोनो कष्ट नहि होएत.

एहि मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह मे अपन मिथिलाक मशहूर कलाकार सभ गीतनाद आओर नृत्य केर कार्यक्रम पेश करताह.

जिनका अहां कैसेट आ टीवी पर देखय सुनय छी हुनका मंच पर देखय सुनय केर मौका मिलत. एकदम सं झमकौआ- झमकौआ गाना सभ सुनय लेल मिलत.

ई मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं भ रहल अछि. विजय चंद्र झा जी अखिल भारतीय मिथिला संघ के प्रति एकदम सं समर्पित छथिन्ह.

मिथिला मैथिलीक विकास के लेल विजय जी परदा के पाछां सं काफी काज करि रहल छथिन्ह. मैथिली के संविधान के अष्टम अनुसूची मे शामिल करयबाक मामला होए आ फेर अपन बिहारी लोक सभ के दिल्ली मे कोनो कष्ट परेशानी के दूर करय के ओहि मे विजय के अहम योगदान रहलन्हि. ई बात दोसर अछि जे हिनकर काज के श्रेय किनको आर मिल जाए छनि.

पिछला बेर हिनकर मैथिलीक समारोह मे जाए केर मौका मिलल छल. बड़ नीक सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल छल. मिथिलाक मैथिलीक सभ किछ के लsक चलय वाला कार्यक्रम नहि के बराबर देखय लेल मिलैत अछि.
गीतनाद-नृत्यक कार्यक्रम एतेक नीक होएत अछि जे लोक शुरू सं अंत धरि कुर्सी सं चिपकल रहय छथिन्ह.

अखिल भारतीय मिथिला संघ पिछला 41 साल सं मिथिलाक विकास मे अहम योगदान देबय वाला लोक सम्मानित करैत आबि रहल अछि. एहि बेर सेहो एहि समारोह मे एहिने किछ लोक के सम्मानित सेहो कएल जएतन्हि.

एहि समारोहक मुख्य अतिथि छथीह दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित, एमपी प्रभात झा, हुकुमदेव नारायण यादव, कीर्ति आजाद आओर महाबल मिश्रा. विशिष्ट अतिथि मे छथिन्ह निशिकांत ठाकुर जी...विधायक अनिल झा...डॉ एससीएल गुप्ता...गौरी शंकर राजहंस श्रीमती मृदुला सिन्हा आओर अनिल कुमार शर्मा जी.

तं भेंट होएत अछि रवि दिन मावलंकर हॉल मे... समारोह के बारे मे कोनो जानकारी चाही तं अहां रामचंद्र चौधरी जी के 9811030834 पर आ फेर विजय चंद्र झा जी के 9868903791 पर फोन करि सकय छी.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...