नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पेयजलक परेशानी लेल दरभंगा मे बनल कंट्रोल रूम


गर्मी आबि गेल अछि. अखन गर्मी के शुरुआत अछि मुदा लगैत अछि जेना जेठक दिन आबि गेल होए. अखने ई हाल अछि तं जेठ मे कि होएत सोचि सकय छी.

ई हाल तखन अछि जखन कि किछ दिन पहिने तक सर्दी कंपकंपौने छल. एहि बेर ठंड सेहो खूब पड़ल आ लगैत अछि गर्मी सेहो खूब पकाएत.

गर्मी के चढैत दरभंगा मे पानिक
किल्लत...परेशानी शुरू भ गेल अछि. दरभंगा शहर जतय सभ सं बेसि पोखर अछि. बगल सं बागमती नदी बहैत अछि. ओतय पानि केर परेशानी. किछ अजीब नहि लगैत अछि अहांके.


मुदा सरकारक तरफ सं आम लोक के लेल नीक इंतजाम नहि होए के कारण लोक के गर्मी मे परेशानी उठाबय पड़य छनि. चापाकल...नल के लेल हर साल पाई आबैत अछि मुदा कतs चलि जाएत अछि से नहि कहल जाए.

दरभंगा शहर मे अहां के दू चीज के लेल बड़ कष्ट उठाबय पड़त. एक तं गर्मी मे पानि पीबय लेल दोसर पेशाब करय लेल कोनो जगह खोजय मे. मजबूरी मे लोक के कोनो देबारक कात के शरण मे जाए पड़य छनि. कई बेर तं मारि-पीट के नौबत आबि जाएत अछि.

पीबय के पानि केर नीक इंतजाम नहि होए के कारण पियासल लोक के हारि थकि कं बिस्लरी के बोतल... लस्सी... भांगक शरबत...शिकंजी...कोल्ड ड्रिंक आ फेर सोडा खरीद क पीबय पड़ैय छनि.

सरकार के... प्रशासन के एहि लेल दरभंगा के कादिराबाद बस स्टैंड सं लsक लहेरियासराय तक बीच-बीच मे चापाकल...पानिक टंकीक व्यवस्था करबाक चाही.

ओना प्रशासन किछ हरकत मे आएत दिखा रहल अछि. दरभंगा मे पीबय केर पानि सं जुड़ल परेशानी के दूर करय लेल एकटा कंट्रोल रूम बनाएल गेल अछि. 

ई कंट्रोल रूम लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग के तरफ सं बनाऔल गेल अछि. अहां सभ के कोनो परेशानी होए तं अहां सभ 0672220256 पर फोन करि सकय छी.


मुदा सरकार के एहि पर सेहो विचार करबाक चाही जे जलस्तर बनल रहय. मिथिलांचल मे जलक स्तर धीरे-धीरे काफी नीचा जा रहल अछि. वॉटर हार्वेस्टिंग पर जोर देबय के जरूरत अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु