Skip to main content

आम लोक मे सरकार के प्रति बढ़ल गुस्सा…शरद पवार के मारलक चांटा


आम लोक मे महंगाई... घोटाला... भ्रष्टाचार के लsक सरकार के प्रति गुस्सा बढ़ल जा रहल अछि.
एकर नतीजा आई दिल्ली के एनडीएमसी सेंटर मे देखय लेल मिलय. एहि ठाम हरविंदर सिंह नामक एकटा लड़का कृषि मंत्री शरद पवार के चांटा जड़ि देलक.

हरविंदर के साफ कहनाय छल जे महंगाई सं आम लोक परेशान अछि आओर एकरा लेल ओ सरकार के जिम्मेदार मानैत अछि. एहि लेल ओ शरद पवार के थापड़ि मारलक.

हरविंदर एहि सं पहिने
पूर्व दूरसंचार मंत्री सुखराम पर सेहो हमला कएने छल. हरविंदर सिंह के हिरासत मे लsक पूछताछ चलि रहल अछि.

ओना एहि सं एक दिन पहिनहि बीजेपी नेता यशवंत सिन्हा कहने छलखिन्ह जे आम लोक महंगाई सं परेशान अछि एहि मे कोनो अचरज नहि होएत जे लोक महंगाई के खिलाफ हिंसा पर उतारु भ जाएत.

बीजेपी नेता माया सिंह कहलीह जे सरकार के आबहुं लोक के गुस्सा के समझबाक चाही.

लेफ्ट नेता के कहनाय छल जे हम सेहो भ्रष्टाचार के खिलाफ छी... महंगाई के खिलाफ छी... एकर खिलाफ हम सरकार सं लड़ि रहल छी. मुदा थापड़ि मारय के एहि काज के पक्ष मे नहि छी. सभ्य समाज मे एकर जगह नहि अछि.

बीजेपी नेता आओर अभिनेत्री स्मृति ईरानी सेहो एकर निंदा करलीह आओर कहलीह जे लोकतंत्र मे अपन बात कहय के सभ के आजादी अछि मुदा एहि तरहक काज के कोनो तरहे ठीक नहि कहल जा सकैत अछि.

पवार के चांटा मारय के चारु कात निंदा कएल गेल अछि मुदा एकरा ओहिना नहि छोड़ल जा सकैत अछि.

ओना शरद पवार के कृषि मंत्री रहैत सब्जी... दाल... तेल... दूध और चीनी के दाम बेतहाशा बढल अछि.

महंगाई... भ्रष्टाचार... घोटाला... कालाधन के लsक लोक सभ परेशान अछि. लोक हजार-लाख कमाई लेल जिनगी गुजारि दैत अछि.

मुदा नेता...मंत्री सभ के संपत्ति के खुलासा देखबय तं अहां के पता चलत जे नेता... अफसर... मंत्री सभ के धन साल भर मे दू-दू... चारि-चारि गुना बढ़ि गेल अछि.

लोक के पास पाए नहि अछि आओर कइटा लोक करोड़ों टका विदेशी बैंक मे जमा करने अछि.
अंग्रेज तं देश सं धन लूटि क अपना देश ल जाएत छल मुदा एकरा कि कहबय जेहि में अपने देश के लोक... अपन धन के विदेश मे लs जाsक जमा करि रहल अछि.

कहल तं ई जा रहल अछि जे अगर विदेश मे जमा धन अगर देश मे वापस ल आएल जाए तं कई साल धरि लोक के टैक्स नहि देबय पड़तन्हि. विकास के काज एकदम सं तेज भ जाएत. देश चमैक जाएत. मुदा एकरा करत के.

बाबा रामदेव अनशन करलक तं रातोंरात तंबू उखाड़ि देल गेल... अन्ना हजारे के सेहो पकड़ि क तिहाड़ भेज देल गेल छल. मुदा लोक के गुस्सा के देखैत सरकार के अन्ना के छोड़य पड़ल.

एतय सभ होएतहुं अगर लोक के सभ किछ ठीक होएत नहि देखाएत तं लोक के गुस्सा भड़कबे करत.

मुदा लोक के कानून-व्यवस्था के हाथ मे नहि लेबाक चाही. लोकतंत्र मे हिंसाक कोनो स्थान नहि अछि.

अहांक के हिंसक होए के कोनो जरूरत नहि अछि. अहांक लेल सभसं पैघ हथियार अहांक वोट अछि.

अगर अहां के लगैत अछि जे सरकार अहांक अनुसार नहि चलि रहल अछि. अहांक मनक नहि करि रहल अछि बस वोट के हथियार सं कुर्सी सं उतारि दिअ ओहन सरकार के.

वोट...अहांक मत अहांक एहन हथियार अछि जेहि के आगां बड़का सं बड़का नेता अहां के चरण स्पर्श करय लेल तैयार रहत.

एकर महत्व के पहचानु. वोट देबय लेल जरूर जाउ. भ्रष्टाचारी...कालाधन के पक्ष लेबय वाला के सबक सीखाउ.

वोट के टाइम मे जाति...धर्म के नाम पर... भाई-भतीजा के नाम पर... दू-चारि टका के नाम पर अपन वोट के बर्बाद नहि करु. वोट नामक हथियार के सही इस्तेमाल करु.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...