Skip to main content

सुपर 30 के आनंद के जीवन पर बनत फिल्म

खबर अछि जे सुपर 30 के संस्थापक आनंद कुमार के जीवन पर फिल्म बनय जा रहल अछि.

एहि के लेल फिल्मी दुनिया के लोक सभ आनंद जी सं गप सेहो करय मे लागल छथिन्ह.

खबर तं इहो अछि जे कइटा निर्माता...निर्देशक अपन प्रस्ताव के संग आनंद जी सं भेंट सेहो करलखिन्ह.

फिल्म बनाबय के कोशिश करय वाला मे अनुराग बसु... संजीव दत्ता
शामिल छथिन्ह. हिंदूजा फिल्म आओर यूटीवी वाला सेहो सम्पर्क मे अछि.

आनंद कुमार जी बिहार के आर्थिक रूप सं कमजोर... गरीब परिवार के योग्य बच्चा के फ्री मे आईआईटी के तैयारी कराबय छथिन्ह.

हिनकर सुपर 30 के रिकॉर्ड शानदार रहल अछि. कहि सकय छी जे शत-प्रतिशत रहल अछि.

आनंद जी शुरू मे पुलिस अधिकारी अभयानंद जीक संग मिल बच्चा सभ के पढ़ाबय छलखिन्ह.
मुदा बाद मे अभयानंद जी हिनकर सुपर 30 सं अलग भ गेलखिन्ह.

हिनकर सुपर 30 के लेल जेहि 30 टा छात्र के चुनल जाएत अछि ओ टेस्ट सं होएत अछि.
टेस्ट मे पास करय वाला गरीब छात्र के आनंद जी पढय...खाए... पीबय सभ के इंतजाम अपना दिस सं करय छथिन्ह.

आनंद जीक कारणे बिहार सं सैकड़ों छात्र के दाखिला आईआईटी मे भ पाएल अछि.
आनंद जी खुद गरीब परिवार से छथिन्ह. हिनकर बाबूजी पोस्ट ऑफिस मे लिपिक छलखिन्ह. आनंद जी अपन पढ़ाई माए के संग पापड़ बेचि कs पूरा करलखिन्ह.

बड़ संघर्ष करने छथिन्ह.

आनंद जीक एडमिशन कैम्ब्रिज यूनिवर्सिटी मे होए वाला छलन्हि. मुदा ओतय जाए लेल पाए नहि होए के कारण एडमिशन नहि ल पएलखिन्ह.

एहि के बाद आनंद जी गरीब बच्चा सभ के पढ़ाबय लागलखिन्ह आओर आईआईटी के तैयारी कराबय लागलखिन्ह.

हिनकर कोशिश सं पटना मे कोचिंग चलाबय वाला सभ के धंधा पर असर पड़य लागल... एहि के कारण हिनका परेशानी सेहो झेलय पड़लन्हि.

मुदा हिनकर आर्थिक हित नहि होए के कारण कोचिंग लॉबी के पाछां हटय पड़लन्हि.

आनंद जीक चर्चा टाइम आओर न्यूजवीक पत्रिका मे सेहो भ चुकल छनि. हिनका पर डॉक्यूमेंटरी सेहो बनि चुकल अछि.

आब जखन फिल्मी दुनिया के लोक हिनका पर फिल्म बनाबय के सोचि रहल छथिन्ह तं ई नीक गप अछि.

हिनकर जीवन पर बनल फिल्म सं लोक सभ के प्रेरणा मिलतन्हि. ओ सेहो हिनके जकां नीक काज करय लेल आगां अएताह.

बिहार मे आनंद जी जकां आओर लोक के जरूरत अछि.

अगर अहां के नजर मे बिहार मे आनंद जी जकां आओर लोक काज करि रहल छथिन्ह तं ओकरा बारे मे बताबय के कोशिश करब.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...