नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

उच्चैठ मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

मिथिलाक पावन धरती पर एकटा पवित्र स्थल मे सं एक उच्चैठ भगवती स्थान...दुर्गास्थान मे मैथिली गीतनादक बयार बहय वाला अछि. मधुबनी जिला के बेनीपट्टी के पास उच्चैठ मे रविदिन 27 मार्च के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह होबय जा रहल अछि.

विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मैथिली अकादमी पटना के तरफ सं भ रहल अछि. एहि समारोह मे
 उप मुख्यमंत्री... एमपी... एमएलए... आओर दोसर बड़का-बड़का नेता के सेहो आबय के उम्मीद छनि. मिथिलाक पैघ-पैघ विद्वान लोकनि सेहो उपस्थित रहताह.

उच्चैठ... दुर्गास्थानक ई भगवती मंदिरक प्रांगन हमहुं गेल छी. मन प्रसन्न भ जाएत अछि. एहि ठाम ई समारोह भेलाह सं माहौल एकटा दोसरे रंग लेने रहत. लोक सभ के गीतनाद के संग भगवती दर्शन के अवसर सेहो मिलतन्हि.

एहि विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे मिथिलाक तमाम पैघ कलाकार आबि रहल छथिन्ह. पैघ कलाकार मे कुंजबिहारी मिश्र... रंजना झा... रामबाबू... भगवान बाबू झा... अरविंद कुमार झा... स्नेहा सोनी... मधु झा आओर नंदजी शामिल छथिन्ह.

अगर अहां सभ मिथिला मे छी... दरभंगा... मधुबनी मे छी तं एहि कार्यक्रम के मिस नहि करु. एहन मौका बड़ कम मिलय छै... एहिठाम काव्यपाठक आयोजन सेहो भ रहल अछि.


Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु