Skip to main content

बिहार उत्सव केर धूम

बिहारक लोक के लेल ई पूरा हफ्ता उमंग सं भरल अछि. होली के रंग अखन उतरलों नहि छल कि बिहार उत्सव शुरू भ गेल. एहि बेर तं बिहार के किछ ठाम रवि...सोम 20-21 मार्च दूनु दिन होली छल. एहन मे लगातार जश्न. लोक सभ एकटा अलगे रंग मे डूबल छथिन्ह.
Bihar Day Card
मंगल दिन 22 मार्च के बिहार के बनल 99 साल पूरा भ गेल. बिहार सौवां साल मे चलि गेल. आब 22...23 आओर 24 मार्च के मुख्य कार्यक्रम के अलावा साल भर कोनो- न- कोनो कार्यक्रम चलैत रहत. 22 मार्च 1912 के बिहार... बंगाल सं अलग भ नवका राज्य बनल छल.

मुख्य कार्यक्रम पटना के गांधी मैदान
मे भ रहल अछि. एहि के लेल गांधी मैदान के एकदम सं दुल्हन जकां सजाएल गेल अछि. पूरा पटना के इहे हाल अछि. राति होएतहि पटना दिवाली जकां चमकय लागैत अछि.

गांधी मैदान एकदम सं गाम-घर जका बना देल गेल अछि. मेन गेट पर आबतहि अहां के लागत जेना कोनो गाम मे घुसि रहल छी. एकदम सं गाम जका देबार पर पेंटिंग... गोबर सं लीपल आंगन.

गांधी मैदान जकां दोसरो ठाम कार्यक्रम भ रहल अछि. गांधी मैदान वाला मुख्य बिहार दिवस कार्यक्रम के उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करथिन्ह. एहि अवसर पर देश-विदेश के प्रमुख लोक सेहो मौजूद रहथिन्ह. 
Bihar Day

एहिठाम नृत्य... संगीत... कला प्रदर्शनी... खान-पान सं लsक दस तरहक कार्यक्रम भ रहल अछि. पटना के जतेक पार्क...मैदान...ऑ़डिटोरियम...हॉल अछि सभ ठाम किछ न किछ जरूर भ रहल अछि.

एहि अवसर पर सिर्फ बिहारक कलाकार सभ नहि बल्कि देश के मशहूर कलाकार सभ अपन कार्यक्रम पेश करथिन्ह. एहि मे पंडित हरि प्रसाद चौरसिया... पंडित शिवकुमार शर्मा... गजल गायक भूपेंद्र सिंह-मिताली सिंह आओर भजन गायक अनूप जलोटा शामिल छथिन्ह.

बिहार दिवस पर बिहार उत्सव गांधी मैदान मे सांझ करीब 4 बजे शुरू होएत. कार्यक्रम के शुरूआत बिहार गौरव गान सं होएत. एहि के बाद मुरारी लाल तिवारी के होली... चक्रवर्ती सिंह के चैता... कुंज बिहारी मिश्र जीक मैथिली... अंजलि भारद्वाज जीक भोजपुरी गीतनादक कार्यक्रम होएत.

अगिला दिन 23 मार्च बुध के सोहर... बुंदू खां केर राजस्थानी लोकगीत... अजीत अकेला जीक मगही गीतनाद...बच्चा नसीम आओर नसीम रूही ग्रुप के कव्वाली के संग भरत शर्मा आओर आराधना सिंह जीक भोजपुरी कार्यक्रम होएत.

कार्यक्रम के आखिरी दिन 24 मार्च के शारदा सिन्हा जीक मैथिली-भोजपुरी गीतनाद... विष्णु ओझा जीक भोजपुरी गीत... छउ नृत्य आओर छैला बिहारी के अंगिका गीतनादक कार्यक्रम अछि.
Hamara Bihar
तं अहां सभ एहिठामक कार्यक्रम मे रिद्म आफ बिहार...बिहार गौरव गान...चैता... होली ...चारकुला...मैथिली गीत...भोजपुरी गीत आओर सुगम संगीत के आनंद उठा सकय छी.

गांधी मैदान मे अहां के मूर्तिकला...चित्रकला...मधुबनी पेंटिंग...छापाकला के संग देश... विदेशत कलाकार सभ के कला प्रदर्शनी सेहो देखय लेल मिलत.

बिहार उत्सव पर राज्य के अड़तीसों ( 38) जिला मे कई तरहक कार्यक्रम भ रहल अछि. कई तरहक प्रतियोगिता आयोजित कएल गेल अछि. सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो भ रहल अछि.

एकरे संग-संग हर गाम मे 99 दीया जलाsक बिहार के 99 साल पूरा होए के उत्सव मनाएल जाएत. बिहार उत्सव पर 22 तारीख के सरकारी छुट्टी घोषित सेहो कएल गेल अछि जेहि सं लोक कार्यक्रम के...उत्सव के नीक सं मना पएथिन्ह.

एकटा बात आओर एहि तीन दिन पटना एयरपोर्ट पर जतेक यात्री उतरथिन्ह आओर एहि ठाम सं उड़ान भरथिन्ह... हुनका सभ के मखाना के एकटा पैकेट उपहार मे देल जएतन्हि.

अगर अहां पटना मे होए वाला कार्यक्रम के आनंद उठाबय चाहय छी तं बिहार फाउंडेशन के साइट पर जाsक लाइव कार्यक्रम देख सकय छी. बिहार सं बाहर रहला पर अहां एहि सं बिहार सं जुड़ल रहि सकय छी.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...