देश के सभ सं सम्मानित विश्वविद्यालय मे सं एक नई दिल्ली के जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय... जेएनयू के लेल नामांकन प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि. एडमिशन फॉर्म सोम दिन 7 फरवरी सं मिलनाय शुरू भ रहल अछि.
एहि विश्वविद्यालय मे नाम लिखानाय... एतय पढ़नाय लोक के लेल गर्व के बात रहय छनि. एतय के पढ़ाई के माहौल देश केर आओर दोसर विश्वविद्यालय
सं एकदम अलग अछि.![]() |
JNU |
दाखिला के फॉर्म 7 फरवरी सं मिलनाय शुरू होएत. अहां एकरा पोस्ट सं 10 मार्च धरि आओर काउंटर सं 21 मार्च धरि खरीद सकय छी. फॉर्म जमा करय के आखिरी दिन अछि 21 मार्च.
फॉर्म अहां सोम सं शुक्र दिन तक दिन के 10 सं 4 बजे तक खरीद सकय छी. काउंटर सं खरीदला पर 200 रुपया आओर डाक सं मंगएला पर 300 रुपया लागत.
बीपीएल कार्ड धारक विद्यार्थी के लेल नीक गप ई छनि जे हुनका बीपीएल कार्ड देखएला पर फॉर्म आओर प्रॉस्पेक्टस फ्री मे देल जएतन्हि. कार्ड मे विद्यार्थी के नाम होनाए जरूरी अछि. सिर्फ माता-पिता के नाम सं नहि काज चलतन्हि.
दाखिला के परीक्षा देश के 51 शहर मे होएत. परीक्षा 17 आओर 20 मई के होएत. देर नहि करु. एडमिशन चाहय छी तं जल्दी फॉर्म खरीद क भरि दिअ. अहां सभ के हेलो मिथिलाक तरफ सं शुभकामना.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु