Skip to main content

सिविल सेवा परीक्षा के फॉर्म भरनाय शुरू

संघ लोक सेवा आयोग...यूपीएससी के सिविल सेवा परीक्षा 2011 के फॉर्म भरनाय शुरू भ गेल अछि. फॉर्म 21 मार्च धरि भरल जा सकैत अछि. एकर पूरा सूचना अहां 19 तारीख के रोजगार समाचार मे देख सकय छी.

एहि बेर परीक्षार्थी ऑनलाइन फॉर्म सेहो भरि सकय छथिन्ह. फॉर्म खरीद क...भरि क भेजय के फीस एक सय टका अछि जखन कि ऑनलाइन फॉर्म भरला पर फीस
50 टका राखल गेल अछि.

ऑनलाइन फॉर्म अहां http://www.upsconline.nic.in पर जाsक भरि सकय छी. एहि ठाम अहां के सभ जानकारी सेहो मिल जाएत. महिला...एससी/ एसटी... शारीरिक रूप सं विकलांग छात्र के फीस जमा करय के जरूरत नहि छनि.

यूपीएससी के मेन वेससाइट अछि  http://www.upsc.gov.in  सभ जानकारी अहां के एहिठाम सेहो मिल जाएत.

ऑनलाइन अप्लाई करय वाला छात्र के फॉर्म भरला के बाद स्टेट बैंक ऑफ इंडिया...SBI के कोनो ब्रांच मे 50 रुपया फीस जमा करि ओतय सं एकटा ट्रांजेक्शन नंबर लेबय पड़तन्हि जकरा फॉर्म मे भरय पड़तन्हि.

एकर फॉर्म अहां के देश के प्रमुख डाक घर...Post Office मे सेहो मिलत ओतय सं खरीद क सेहो भरि सकय छी. फॉर्म भेजय के पता अछि-
Controller Of Examination,
Union Public Service Commission,
Dholpur House,
Shahjahan Road,
New Delhi-110069

अहां एकर फॉर्म खुद जाsक हाथों-हाथ सेहो जमा करि सकय छी. मुदा हाथों-हाथ सिर्फ एकटा फॉर्म जमा होएत. दोसर दोस्त आ संगी के फॉर्म अहां नहि जमा करि सकय छी. एकर ध्यान राखब.

फॉर्म भरय सं लsक जमा करय तक... आ फेर परीक्षा के बारे मे किछ जानय के होए त अहां 011-23389366 पर फोन करि सेहो जानकारी पाबि सकय छी. आओर UPSC के गेट नंबर C के पास Facilitation Counter पर सेहो पूछताछ करि सकय छी. एतय के फोन नंबर अछि... 011-23385271 आओर 011- 23381125

ध्यान देबय के बात इहो अछि जे परीक्षा मे Objective Type Quistion के लेल Negative Marking अछि. आओर हां फॉर्म सावधानी सं भरय के कोशिश करब. दिक्कत होए त फॉर्म के फोटोस्टेट करि पहिने फोटोस्टेट पर फॉर्म भरि लेब जेहि सं असल फॉर्म भरय मे दिक्कत नहि आबय. अहां सभ के हमर शुभकामना
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...