Skip to main content

पान मे लागल आगि

आई भोरे उठलौं तं मन किछ खराब लागय छल. हल्का-हल्का बुखार टाइप के. खैर मुंह-हाथ धो आओर नहा कs बुखार के लेल लक्ष्मीविलास रस टैबलेट लs पास के पान दोकान पर गेलौं. लक्ष्मीविलास रस टैबलेट पान के संग खाएल जाएत अछि.

मुदा ओहि दोकान पर पान नहि छल. हम पूछलिए जे कि भेलs जे आई पान नहि राखने छ...तं ओ कहलक जे पान के दाम काफी बढ़ि गेल अछि...पहिने जे ढोली 75-100 रुपया मे मिलय छल
ओ ढाई सय...तीन सय मे मिल रहल अछि.

पान वाला कहलक जे किछ दिन बेसि जाम पर ढोली खरीद कs लएलौं मुदा घाटा भ गेल. पानक पात के दाम तं बढि गेल अछि मुदा लोक पान खाए लेल बेसि पाए देबय लेल तैयार नहि छथिन्ह. कतेक दिन घाटा सहुं.

पान
एहन हाल कइटा दोकान पर देखलौं. ओ सभ पान छोड़ि बस पान मसाला आओर सिगरेट बेचय पर जोर देने छथिन्ह. आब दाम घटत त पान दोकानदार सभ पान बेचनाय शुरू करताह.

बेरिआ मे गाम फोन करलौं त पता लागल जे गामो दिस सेहे हाल अछि. दरभंगा... मधुबनी सभतर पान के दाम आसमान पर पहुंचल अछि. ऐना ठंड के कारण भेल अछि. पान के फसल खराब भेल अछि.

पान के खेती करय वाला किसान सभ के सेहो भारी नुकसान भ रहल छनि. फसल बर्बाद भ गेलन्हि. सरकार के हिनका सभ के लेल किछ करबाक चाही. दोसर फसल नष्ट होए पर जे मुआवजा मिलैत अछि ओ एहि के लेल सेहो मिलबाक चाही.

बिहार आओर मिथिलाक लोक के लेल भोजन- भात के बाद पान जरूरी अछि. ओहिनो घुमैत-फिरैत...चौक पर गेला के बाद मुंह मे पान होबाके चाही. मुदा दाम बढला के बाद लगैत अछि जे महंगाई मे ई शौक जेब पर किछ भारी पड़ि सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

Comments

  1. E laxmivilas ras tablet kehan chai....kani ekro bare mein batau....

    Kumar Kali Bhushan

    Mumbai-Keoti

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...