आई भोरे उठलौं तं मन किछ खराब लागय छल. हल्का-हल्का बुखार टाइप के. खैर मुंह-हाथ धो आओर नहा कs बुखार के लेल लक्ष्मीविलास रस टैबलेट लs पास के पान दोकान पर गेलौं. लक्ष्मीविलास रस टैबलेट पान के संग खाएल जाएत अछि.
मुदा ओहि दोकान पर पान नहि छल. हम पूछलिए जे कि भेलs जे आई पान नहि राखने छ...तं ओ कहलक जे पान के दाम काफी बढ़ि गेल अछि...पहिने जे ढोली 75-100 रुपया मे मिलय छल
ओ ढाई सय...तीन सय मे मिल रहल अछि.पान वाला कहलक जे किछ दिन बेसि जाम पर ढोली खरीद कs लएलौं मुदा घाटा भ गेल. पानक पात के दाम तं बढि गेल अछि मुदा लोक पान खाए लेल बेसि पाए देबय लेल तैयार नहि छथिन्ह. कतेक दिन घाटा सहुं.
पान |
एहन हाल कइटा दोकान पर देखलौं. ओ सभ पान छोड़ि बस पान मसाला आओर सिगरेट बेचय पर जोर देने छथिन्ह. आब दाम घटत त पान दोकानदार सभ पान बेचनाय शुरू करताह.
बेरिआ मे गाम फोन करलौं त पता लागल जे गामो दिस सेहे हाल अछि. दरभंगा... मधुबनी सभतर पान के दाम आसमान पर पहुंचल अछि. ऐना ठंड के कारण भेल अछि. पान के फसल खराब भेल अछि.
पान के खेती करय वाला किसान सभ के सेहो भारी नुकसान भ रहल छनि. फसल बर्बाद भ गेलन्हि. सरकार के हिनका सभ के लेल किछ करबाक चाही. दोसर फसल नष्ट होए पर जे मुआवजा मिलैत अछि ओ एहि के लेल सेहो मिलबाक चाही.
बिहार आओर मिथिलाक लोक के लेल भोजन- भात के बाद पान जरूरी अछि. ओहिनो घुमैत-फिरैत...चौक पर गेला के बाद मुंह मे पान होबाके चाही. मुदा दाम बढला के बाद लगैत अछि जे महंगाई मे ई शौक जेब पर किछ भारी पड़ि सकैत अछि.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
E laxmivilas ras tablet kehan chai....kani ekro bare mein batau....
जवाब देंहटाएंKumar Kali Bhushan
Mumbai-Keoti