Skip to main content

कि कीर्ति आजाद अहांक उम्मीद पर खरा छैथि?

दरभंगा के सांसद छथिन्ह कीर्ति आजाद जी. राजनीति हिनका विरासत मे मिलल छनि. हिनकर पिताजी भगवतझा आजाद बिहारक मुख्यमंत्री रहि चुकल छथिन्ह. कीर्ति जी भारतीय क्रिकेट टीम के लेल खेल सेहो चुकल छथिन्ह. कीर्ति जी टेस्ट आओर वनडे दूनु खेलने छथिन्ह. देशके प्रमुख चैनल पर खेलक समीक्षा सेहो करैत रहय छथिन्ह.

हिनकर जन्म पूर्णिया मे भेल छनि आ ओ दिल्ली सं विधायक सेहो रहि चुकल छथिन्ह. दरभंगा हिनकर सासुर छनि आओर
हिनकर पत्नी पूनम झा आजाद सेहो दिल्ली के गोलमार्केट सं चुनाव लड़ि चुकल छथीह. मुदा दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित के हरा नहि पएलीह.

पिछला दिन दरभंगा... लहेरियासराय मे स्टेडियम निरीक्षण के क्रम मे कीर्ति जी कहलखिन्ह जे ओ एहि साल धोनी... सहवाग जैसन पैघ क्रिकेट खिलाड़ी सभ के दरभंगा लाबय के कोशिश करथिन्ह. एहिठाम स्टेडियम के नवका रूप देल जा रहल अछि.
मुदा सवाल उठि रहल अछि जे कि कीर्ति जी दरभंगाक विकास मे नीक सं योगदान द रहल छथिन्ह? कि ओ आम लोक के कल्याणक काज मे बढ़ि-चढ़ि क हिस्सा ल पाबय छथिन्ह? कि ओ अपन लोकसभा क्षेत्र के सभ इलाका पर बराबर ध्यान द रहल छथिन्ह?

दरभंगा लेल कीर्ति जीक एकटा महत्वाकांक्षी परियोजना छल म्यूजिकल फाउंटेन केर. स्टेशन के पास ई फांउंटेन काफी तामझाम के संग बनल. मुदा लाखों रुपया खर्च भेलाह के बादहुं एकर कोनो उपयोग नहि भ रहल अछि.

कि दरभंगा जैसन गरीब शहर के लेल फाउंटेन सही तोहफा छल? कि गरीब जनताक लाखों रुपया एहि पर खर्च भ गेल जखन कि दोसर कइटा नीक काज भ सकैत छल. कि कीर्ति जी सांसद फंड के इस्तेमाल सही ढंग सं क रहल छथिन्ह?
दरभंगा शहर मे सड़क ठीक-ठाक भ गेल अछि. मुदा एकर श्रेय पूर्व सांसद मो अली अशरफ फातमी जी... दरभंगाक विधायक संजय सरागवी... आओर दोसर नेता सभ सेहो लय छथिन्ह. त फेर कीर्ति जी कि कएलाह?
कीर्ति जी राज्य मे खेल के बढ़ावा दय के बात करय छथिन्ह मुदा लोक सभ हिनका पर बिहार मे क्रिकेट के सत्यानाश करय के आरोप सेहो लगाबय छथिन्ह. कि सत्य अछि? एहि मे अहां सभक राय काफी महत्व रखैत अछि.

दरभंगा के बड़ लोक देश-विदेश मे रहय छथिन्ह. कि ओ अपन दरभंगा के एकटा आदर्श जिला मानय छथिन्ह? कि अहां के लगैत अछि जे दरभंगा मे जे विकास होबाक चाही छल से भेल अछि? विकास के लेल ओ कि -कि परियोजना लएने छथिन्ह?

अहां सभ दिल्ली... पंजाब... हरियाणा... कर्नाटक... आंध्र प्रदेश... महाराष्ट्र गेल होएब. कि ओहिठामक इलाका एहने पिछड़ल अछि? कीर्ति जी पहिल बेर सांसद नहि बनलाह. पहिनहुं सांसद रहि चुकल छथिन्ह. अगर इलाका पिछड़ल अछि त ओकरा लेल ओ पूरा जिम्मेदार नहि छथिन्ह?

कीर्ति जी दिल्ली मे अपना के मिथिलाक प्रतिनिधि मानय छथिन्ह. मुदा कि हुनका एहि बातक चिंता छनि जे बिहारक प्राइमरी स्कूल मे अखनो मैथिलीक पढ़ाई नहि होएत अछि? कि हुनकर कोनो पोस्टर... बैनर... पर्चा मैथिली मे रहय छनि?

कि मैथिली के सिर्फ मान्यता मिल गेलाह सं कर्तव्य पूरा भ जाएत अछि. एकरा विकास के लेल अहां कि करि रहल छी? मैथिलीक अखबार निकलय... मैथिलीक चैनल आबय... मैथिलीक पोथी लोक के उपलब्ध होए ... एकरा लेल अहां कि करि रहल छी?

कि अहांक सांसद एहि सभ पर खरा उतरय छथि? कि अहांक सांसद दरभंगा सं नवका ट्रेन शुरू होए एहि के लेल रेल मंत्री ममता बनर्जी सं भेंट मुलाकात करलाह? बजट आबय वाला अछि कि कीर्ति जी वित्त मंत्री प्रणब मुखर्जी जी सं अपन जिला के परेशानी बतौलखिन्ह?

एहि के अलावा एहां सभ रोज दस तरहक परेशानी के सामना करैत छी... कि सांसद महोदय अहांक परेशानी दूर करय लेल हरदम तत्पर रहय छथि? अगर नहि छथि त आवाज उठाउ... ओकरा दूर करय लेल हिनका झकझौरैत रहिऔ.

नहि त कि फर्क पड़ैत अछि... खो मंगला पड़ल रह !!!

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. E sahi aadmi nai chaith....hum sab janai chi....ki pahil ber je e chunao..jitlah o kene jitlah....
    6 ft. wala hariyana ke gunda ain kai bhari delkhin...
    ummeed bad chal...
    muda e pragati...khas kai darbhanga aa..Madhubani..ke cricket ke kha gelkhin....

    Kumar Kali Bhushan
    Mumbai-Keoti

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...