विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली...नोएडा-एनसीआर मे रहय वाला सभ मैथिल के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के लेल न्योत अछि.  समारोह नोएडा स्टेडियम  परिसर मे शनि दिन ०4 दिसंबर के सांझ  7 बजे सं शुरू होएत.


हि समारोह मे अपन मिथिला के तमाम जानल- पहचानल गायक- गायिका आबि रहल छथि. मैथिली गीतनाद के आनंद लेबय लेल ई अहां सभ के लेल नीक मौका अछि. अहां सभ अपन पूरा परिवार के संग आबि गीतनाद के आनंद उठाबी आओर कलाकार सभ के मनोबल के सेहो बढ़ाबी.

ई अहां सभ के लेल... हमरा सभ के लेल अपन गाम-घर के लोक सभ सं मिलय के सेहो नीक अवसर अछि. बड़ दिन भ गेल अछि एक-दोसरा सं मिलला...गप कएला. आउ एक- दोसरा सं भरि पांज मिलु... अपन सुख-दुख के बारे मे बतिआउ...गीत के आनंद लेबय क संग ठहाका सेहो लगाउ.

त मिलय छी नोएडा स्टेडियम मे शनि दिन सांझके सात बजे.
अहांक इंतजार मे

जय मैथिल - जय मिथिला

Comments

  1. bahut nik khbair sunelo , hamra sab ke ta bujhalo nai chhal

    dhanywad

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

दिल्ली मे सामा चकेवा

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

बिहार के एकटा आओर सम्मान

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

हमर विआह-10