Skip to main content

नोएडा विद्यापति समारोह मे कुंजबिहारी

नोएडा स्टेडियम मे आई शनि दिन 4 दिसंबर के सांझ सात बजे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह भ रहल अछि. समारोह मे गीतनाद के आनंद लेबय के अहां सभ के नीक मौका मिलत. मिथिला-बिहार के तमाम लोकप्रिय कलाकार अहांक मनोरंजन लेल एहिठाम रहताह.

समारोह के मुख्य आकर्षण विद्यापति संगीत के महारथी कुंज बिहारी मिश्र जी रहताह. कुंजबिहारी जी विद्यापति संगीत के एकटा नव रूप देने छथिन्ह. हिनकर गायिकी के जतेक प्रशंसा कएल जाए कम होएत. अगर अहां सभ कुंज बिहारी जीके नहि सुनने छी...आओर दिल्ली-एनसीआर मे रहय थी त एहि कार्यक्रम के मिस नहि करु.

कुंज बिहारी मिश्र जीक संग एहि समारोह मे रंजना झा... दिलीप दरभंगिया... वंदना सिन्हा आओर पुष्कर भारती जीके सेहो अहां सुनि सकय छी. सभ नीक कलाकार छथिन्ह. अहां सभ हिनकर सभक मनोबल बढ़ाबि... जेहि सं मैथिली गीतनाद के सेहो बढ़ावा मिलत.

नोएडा स्टेडियम आबय मे अहां के कोनो परेशानी नहि होएत. नोएडा आबय वाला बेसि बस एहिठाम सं गुजरैत अछि. ई 12-22 सेक्टर चौड़ा मोड़ सं सटल मेन रोड पर अछि. अगर दिल्ली तरफ सं मेट्रो सं आबि त सेक्टर 15 उतरि.... ओहिठाम ऑटो ल सेक्टर 11 के मदर डेयरी आ फेर मेट्रो अस्पताल उतरि पैदल आ फेर रिक्शा सं स्टेडियम पहुंच जाउ. सेक्टर 16 मेट्रो स्टेशन... रजनीगंधा चौराहा पर काज होए के कारण रोड बंद अछि.

आब कार्यक्रम सं जुड़ल दोसर गप. एहि विद्यापति समारोह के मुख्य अतिथि छथिन्ह बीजेपी नेता राजनाथ सिंह. राजनाथ सिंह जिनका मैथिली के ए बी सी नहि आबय छनि. जे मिथिलाक बारे मे सिर्फ शहर के नाम जानए छथिन्ह. हुनका मुख्य अतिथि बना कs लाएल जा रहल छनि. आब जखन राजनाथ जी अएताह त आयोजन समिति सं जुड़ल सभ लोक हुनका आगां-पाछां करय मे लागि जएथिन्ह. आम लोक के घोर उपेक्षा होएत. मुदा एहि मे आयोजन समिति सं जुड़ल लोक के चेहरा देखबन्हि गर्व सं फुलल रहत . जेना राजनाथ नहि प्रधानमंत्री सं संग ठाड़ छथिन्ह.

कि मिथिला... मैथिलीक दोसर कोनो पैघ लोक हिनका सभ के नहि मिललन्हि जिनका मुख्य अतिथि बना क ला सकए छलाह ? मिथिला सं जुड़ल दोसर कोनो लोक जिनकर मिथिलाक विकास मे विशेष योगदान रहल छनि... जे मैथिली के बढ़ावा देबय लेल अपन सभ किछ समर्पित क देने छथिन्ह. मैथिली सभ्यता... संस्कृति... लोक-कला...मैथिली पेंटिंग के बढ़ावा देबय के लेल अपन जिनगी गुजारि रहल छथिन्ह. एहन कोनो लोक नहि मिललन्हि?

फेर एहन पैघ कार्यक्रम त एक-दू दिन मे नहि होएत अछि? एकर तैयारी जरूर मास दिन सं बेसि सं चलैत होएत. कलाकार सभ के बियाना... हुनकर सभ के टाइम लेनाए...कुर्सी-पंडाल...जगह के इंतजाम ई सभ एक-दू दिन मे त नहि भेल होएत. मुदा अहां के ई जानि के अचरज होएत जे आयोजन समिति सं जुड़ल कई लोक के एहि कार्यक्रम के बारे मे एक दिन पहिने तक नीक सं पता नहि छलन्हि.

हमरो ई खबर शुक्र दिन पता चलल. ओना आयोजन समिति सं जुड़ल एकटा पदाधिकारी हमरा एक हफ्ता पहिने रवि दिन 5 तारीख के विद्यापति समारोह होए के बात कहने छलाह. शुक्र दिन पता चलल जे शनि दिन अछि. नोएडा स्टेडियम जतए ई कार्यक्रम होए वाला अछि ओहि के आसपास इलाका के लोक के एकर पता नहि छल. जिनका-जिनका फोन कएलहुं सभ जानकारी होए सं इनकार कएलाह.

ओना शुक्रदिन सांझ मे स्टेडियम के बगल मे एकटा ऑटो पर लाउडस्पीकर लगा क एकरा बारे मे प्रचार कएल जा रहल छल. मुदा बाजय वाला कि बाजि रहल छथिन्ह से नीक सं बुझा नहि रहल छल आओर दिल्ली- एनसीआर मे ऑटो सं कार्यक्रम के एक दिन पहिने सांझ मे प्रचार. कतेक लोक के पता चलत. ओहि मे ओ ऑटो सरसराएल भागल जा रहल छल. बस औपचारिकता पूरा भ रहल छल.

भ सकैत अछि आयोजक सोचैत होथिन्ह जे बेसि लोक आबि जएताह त केना संभारब... बेसि लोक अएला सं भीड़ के संभारनाए मुश्किल भ जाएत. हो- हल्ला भ जाएत. जतेक कम लोक रहताह ओतेक नीत कार्यक्रम होएत. एहन नहि अछि जे लोक के एकदमे सं नहि पता छनि... पता छनि हुनका ...जिनका सं ई सभ कार्यक्रम के लेल चंदा लेने छथिन्ह.

आब एहि सं जुड़ल अपन मिथिलाक लोक के मानसिकता सुनु. अपन मिथिलाक लोक एक बेर मे सभ बात नहि बतएताह... अगर सभ किछ एके बेर मे फरछिआ देथिन्ह त अहां हुनका फेर सं किएक पूछबए? हुनकर कि पूछ रहि जएतन्हि? हिनका सभ के मोबाइल पर जतेक फोन अएतन्हि ओ ओतेक खुश होए छथिन्ह. लोक के बताबए छथिन्ह भोरे सं फोन उठाबैत-उठाबैत परेशान छी.

एहि लेल ओ सभ बात लोक के नहि बताबए छथिन्ह. किछ दाबि क राखए छथिन्ह. आब किछ लोक के समारोह के बारे मे पता चललन्हि ओ एक दोसरा के बतएथिन्ह. किछ लोक के हेलो मिथिला सं पता चलल ओ एक दोसरा के बतएथिन्ह. एहि तरहे लोक के पता चलए छनि. पता चलला पर ओ फलां कका... त फलां चचा...लाल भाई त सोन मामा के फोन करय छथिन्ह. सभ खुश कतेक नाम भ रहल अछि.

मिथिला...मैथिली के एहने मठाधीश सभ सं कल्याण नहि भ रहल अछि. मैथिली सं कम बाजय वाला भाषा कतेक तरक्की करि गेल मुदा मैथिली के एकटा बैनर... पोस्टर आ बोर्ड नहि मिलत पूरा मिथिला मे. दस दोकान खोजला पर एकटा मे कोनो किताब मुश्किल सं मिलत. एहिना मे अहां मैथिली के विकास चाहय छी?

आओर ई कोनो टाइम अछि विद्यापति समारोह करय के? दिन मे रहैत त नीक छल. मौसम...ठंड के कि हाल अछि से अहां सभ के पते अछि. राति मे ठंड आओर बेसि भ जाएत अछि. लोक सभ केना अपन-अपन परिवार के लsक अएताह आओर राति मे केना जएताह. कि अहां एकरा सभ के बारे मे सोचने छिएक. दोसर लोक के कि परवाह. अपना सोचताह.

मिथिला...मैथिली सं जुड़ल कएटा कार्यक्रम मे जाए के मौका मिलल अछि... सभ ठाम अव्यवस्था के भरमार रहैत अछि. बस दू-चारि टा आयोजक के छोड़ि आम लोक के कोनो ख्याल नहि. कार्यक्रम मे चारुकात बदइंतजामी देखाएत अहां के. आओर टाइम के त कोनो वैल्यू नहि. कहता कखनो आओर शुरू करताह कखनो. ओ त मिथिला-मैथिली सं प्रेम के चलैत लोक आबि जाए छथिन्ह.

बड़ भेल छोड़ु एहि सभ के कुंज बिहारी जीक एकटा गीत के आनंद लिअ. आओर सुनए चाहए छी त एहि लिंक के क्लिक करु




Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. हितेंद्र जी,
    समाचार देलौ मन प्रशन्न भेल. अवगत कराबी यूथ ऑफ मिथिला के दू गोट आओर कार्यक्रमक पता चलल अछि.

    अधिक जानकारी हमरो नई भेटल अछि, ताई सम्बंधित व्यक्तिक फोन नंबर सेहो संगे द रहल छि जाही सं कार्यक्रम स्थल पंहुचा में सुबिधा होयत .

    हकार दैत छि, अवश्य उपस्थित होयब,
    विद्यापति स्मृति पर्व समारोह - २०१० दिल्ली में

    ४ दिसम्बर , २०१० -
    मीठापुर - जैतपुर क्षेत्र
    आयोजक - मिथिला सेवा संघ
    संपर्क व्यक्ति - श्री अशोक कुमार झा (9871040036)

    ५ दिसम्बर, २०१०
    दादा देव मंदिर ग्रौंड, सेक्टर-७, द्वारका , नई दिल्ली
    आयोजक - जनजागृति मंच
    संपर्क व्यक्ति - श्री कृष्णानन्द झा (9810053477)

    निवेदक - यूथ ऑफ मिथिला

    ReplyDelete
  2. Dhanyawad Kamlesh jee... ehina hobaak chaahi... lok ke samay par pata chalbaak chaahi... muda ahan wala mein seho time nai chhai... ekta aai achhi aur ekta kailhi...lok ke time par jaankaaree debaak kasht kariyau.

    ReplyDelete
  3. Sheshnath Mishra :
    ahank lekh padhal Hitendra jee...Vidyapati samaroh men Rajnath singh ji ke invite kenay ke kono auchitya nahi bujhwa men ayal....ki ekra maithily kam political samaroh ke roop me manawal ja rahal aich.....???

    ReplyDelete
  4. Ekdam sahi kahlaun...lagait t ohina achhi.

    ReplyDelete
  5. Bahut neek lagal ..ham apnek site ke niyamit viewer bha gelauha...badd neek lagaiya jakhan appan maithily aa mithila ke bare me atek samachar sab padhai ke bhetaiya..sachmuch Hitendra Babu apne dhanyabadak patra chhi..

    Apnek,
    Vibhay Kumar Jha
    www.VKJha.in

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...