Skip to main content

सूखा के बाद बाढ़ि...

बिहारक लोक के जेना आपदा के संग चोली-दामन के संबंध बनि गेल अछि. हर साल कोनो न कोनो आपदा लोक के परेशान जरूर करैत अछि. कोनो एहन साल नहि गेल जेहि मे बाढ़ि...सूखा...भूकंप सं पाला नहि पड़ल होए. एहि बेर सेहो प्रचंड सूखा पड़ल...रोपनी नहि भेल. धान...मकई के फसल बर्बाद भ गेल. लगैत अछि जेना बिहार के नियति इहे भ गेल अछि.

मुदा दुर्भाग्य एहन जे एम्हर सरकार राज्य के सभ जिला के सूखाग्रस्त करलक...केंद्रीय टीम के दौरा भेल आ बाढ़ि अनाय शुरू. रौदी...सूखा सं फसल नष्ट भेल. आब बाढ़िक पानि परेशान कएने अछि. एहन हाल मे कई जिला के सामने ई संकट ठाड़ भ गेल अछि जे ओहि ठाम सूखा के मदद देल जाए आ बाढ़ि के. केंद्रीय मदद मे सेहो देर लागि सकैत अछि.

बिहार मे जतेक पानि होबाक चाही छल ओकर चौथाइओ नहि भेल. मुदा नेपाल दिस सं पानि अएला के कारण सभ नदी मे पानि उफान मारि रहल अछि. नदी सभ खतरा के निशान सं ऊपर बहि रहल अछि. कई गाम मे पानि घुसि गेल अछि. कई ठाम बांध पर दबाव बढ़ि गेल अछि. कई ठाम टूटि सेहो चुकल अछि.

कई इलाका मे बाढ़ि के खतरा के देखैत लोक के अलर्ट सेहो करि देल गेल अछि. बाढ़ि के खतरा देख कई ठाम के लोक सभ तं सुरक्षित जगह के लेल पलायन सेहो क चुकल छथिन्ह. ओना कई ठाम बाढ़ि मे फंसल लोक के निकालय के काज सेहो प्रशासन के तरफ सं करल जा रहल अछि.

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी सूखा के बाद आब बाढ़ि के हाल के गंभीर बता रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री जी अधिकारी सभ के निर्देश देलखिन्ह जे राहत आओर बचाव के काज मे कोनो कोताही नहि बरतल जाए. मुदा कई ठाम लोक सभ मदद नहि मिलय के आरोप लगा रहल छथिन्ह. जे होए चुनावी साल मे सरकार के मदद...राहत मे कोनो ढील नहि बरतबाक चाही.

दरभंगा...मधुबनी... मुजफ्फरपुर... चम्पारण...गोपालगंज... सीतामढ़ी... शिवहर...सुपौल आओर सहरसा जिला के कइटा गाम पानि सं घिर गेल अछि. बांध के पास रहय वाला लोक सभ पानि के हाल देख डरल छथिन्ह.

अहां सभ सेहो अपन-अपन इलाका के बाढ़ि...सूखा के बारे मे हेलो मिथिला पर लिखु. फोटो भेजु...ईमेल अछि- 
hellomithilaa@gmail.com
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. बिहार के जगह अगर कुनु दोसर राज्य होइत त शायद ओ राज्य ख़तम भ गेल होइते किएक त कुनु साल नहीं अछि जाही में बिहार पर प्राकृतिक प्रकोप नहीं परल अछि हम त कहैत छि जे बिहार के आदमी इमानदार अओर मेहनती अछि ताहि कारन बिहार राज्य मानचित्र में ओहिना अछि जेना पुर्ब छल और भगवान के सेहो कृपा छैन

    जय मिथिला
    जय मिथिलावासी

    --
    Shailendra Jha
    08010468157
    9250882312

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...