Skip to main content

बीमार कांग्रेस आओर डॉक्टर राहुल...


कांग्रेस बिहार मे बीमार अछि. ई हम आ कांग्रेस के कोनो विरोधी पार्टी के नहि कहनाय अछि... खुद कांग्रेस ऐना मानैत अछि. कांग्रेस के सीनियर नेता छथिन्ह सलमान खुर्शीद जी... ओ केंद्र मे अल्पसंख्यक मामला के मंत्री सेहो छथिन्ह. हुनकर साफ कहनाय छनि जे कांग्रेस बिहार मे बीमार अछि... मुदा पार्टी के एकटा नीक डॉक्टर मिल गेल छनि राहुल गांधी जी. सलमान जीक कहनाय छनि जे राहुल जीक दवा सं हुकहुकाएत कांग्रेस के नवका प्राण मिलत...पार्टी मे नवका जान आएत.

पार्टी के माननाय अछि जे राहुल गांधी के कारण बिहार मे पार्टी एहि बेरक चुनाव मे नीक प्रदर्शन करत. पिछला किछ दिन सं राहुल गांधी जी मिशन बिहार मे जोर-शोर सं जुटल छथि. हुनकर टीम बिहार के नजर राज्य चुनाव पर लागल अछि. पार्टी कोनो तरहे एहि स्थिति मे आबय के कोशिश करि रहल अछि जेहि सं चुनाव बाद जोड़-तोड़...मोलभाव के स्थिति मे होए.
पार्टी काफी दिन सं बिहारक कुर्सी सं बाहर अछि. लालू-राबड़ीजीक बाद नीतीश जी कुर्सी पर जमल छथिन्ह... कांग्रेस के कोशिश अछि जे अगर एहि बेर नीक सं पूरा जोर लगा चुनाव लड़ल जाए तं पार्टी के नीक सीट मिल सकैत अछि अगर बेसि सीट नहिओ मिलय त वोट प्रतिशत बढ़त आओर पार्टी सं छिटकल कार्यकर्ता एकबेर फेर सं संगठित होएत जे आगां के लेल नीक रहत. एहि बेर नहि सही अगिला बेर के लेल ऐना करनाय एकदम जरूरी अछि.

अखन पार्टी के राज्य मे मात्र 10 एमएलए आओर दूटा एमपी अछि. मुदा पार्टी के तरफ सं बिहार पर कतेक ध्यान देल जा रहल अछि एकर बानगी अहां पिछला दू मास सं राज्य मे केंद्रीय नेता सभ के दौरा सं लगा सकैत छी. एक के बाद एक केंद्रीय मंत्री आओर पार्टी के वरिष्ठ नेता सभ बिहार आबि कार्यकर्ता मे जोश जगा रहल छथिन्ह. कार्यकर्ता सभ के नीतीश सरकार के खिलाफ चिट्ठा तैयार करय लेल सेहो कहल गेल अछि...जे चुनाव के समय काज आएत. एकरे संग ओहि पुरान कार्यकर्ता सभ के सेहो जोड़य के कोशिश कएल जा रहल अछि...जे चुनाव नहि लड़ला के कारण पार्टी सं छिटैक गेल छल.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...