कॉलेज देखलक बौआ

अपने छी हम मैट्रिक


गरीबीक चक्की मे पिसा क'
फेल भेल हमर बैटरी
चिंता सं हम पेरायल छलहुं
मुदा तइयो भरोस भेल
कॉलेज देखलक बौआ
टिभी केबल छल कटल
घरक राशन छल घटल
बुझि सकै छी, की कहू ?
अभावो कें देखि ओ
फैशनक हिसाबे
कीनलक जींस झमकौआ
किछु दिन कॉलेज क'
बढौलक ओ हिप्पी
अप्पन उमेर देखि
सधलहुं हम चुप्पी
खा गेल ओ हमरो तहिये
जहिया ओकर मोंछ कटलकै नौआ
एकदिन छ्गुन्ता लागल
ओकर जींसक पतलून सं
गुटखा बहरायल
बुझय मे आबि गेल
करैत होयत ई कत्ते


नशाक सेवन नुकौआ


घींच-घाचि क' थर्ड ईयर मे अछि
हे उच्चैठक महरानी, अहीं पर लगबियौ
भरोस एक्को रत्ती नहि अछि
मैया अहीं कें गोहरबै छी
जं भेल ई पास त'
चढायब छागर हम जौआ
खर्चक पहाड़ सं देलक ई नमरा
बेचीं घरारी आ की बेचीं हम डबरा
कर्जो नहि भेटै छै , कहियौ हम ककरा
ई त' कुपात्र भेल, ठेस लागल हमरा
एकरा सं किछु छुटल नहि छै
कए खेप ई चिखने होयत पौआ
फैशन सं लैस भ'
जेबी मे किछु कैश ल'
चलैए अनबिसेख एना
हो शाहरुख़ , सलमान जेना
आब ने उजियाएत ई
हमर मोन भेल कौआ
आब हम नियारल
बियाह करा दी एकर
घट्टक अबैए ढेर -ढाकी
कनिया हम चिक्कन ताकी
दिन-दुनिया ठीक करबा वास्ते
दहेज़ लेबै मोटकौआ
-रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'
 परिचय-पात
मूल नाम : रूपेश कुमार झा
पिता : श्री नवकांत झा
पितामह : स्व हरेकृष्ण झा
साहित्यिक नाम : रूपेश कुमार झा 'त्योंथ' (मैथिली कविता) नवकृष्ण ऐहिक (आलेख/व्यंग्य)
साहित्यिक प्रकाशन : मैथिलीक विभिन्न पत्र-पत्रिका मे दर्जनो कविता मैथिली दैनिक मिथिला समाद मे खुरचन भा कछ्मच्छी स्तम्भ केर अंतर्गत तीन सय सं बेसी व्यंग्य लेखन-प्रकाशन
शिक्षा : स्नातक (कंप्यूटर अप्लिकेशन) अंतिम वर्षक छात्र
कार्यरत : वर्त्तमान मे कोलकाता एक हिंदी दैनिक मे संपादन मंडल मे कार्यरत
स्थायी पता: ग्राम+पत्रालय : त्योंथागढ़ , भाया : खिरहर, जिला: मधुबनी (मिथिला)
संपर्क: मोबाइल: +91-9239415921 , -मेल : rkjteoth@gmail.com
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. rupeshji, ahank kavita badd neek lagal,...ehina likhait rahu. subhkaamana.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8