Skip to main content

बिहार दिवस... चुनाव अभियानक श्रीगणेश ?

एहि बेर बिहार स्थापना दिवस पर पूरा राज्य मे बिहार दिवस उत्सव मनाएल गेल. बिहार सं बाहर किछ ठाम बिहार दिवसक उत्सव अखनो जारी अछि. मुख्य कार्यक्रम पटना के गांधी मैदान मे भेल. एहि कार्यक्रमक तैयारी मास धरि पहिने सं भs रहल छल. राज्य सरकारक पूरा अमला एकर सफलता के लेल दिन राति एक कएने छल. कि मंत्री... कि विधायक आओर कि कार्यकर्ता... सभ हाथ सं हाथ मिला... कंधा सं कंधा मिला काज मे लागल रहला. बड़ भव्य आयोजन भेल. राज्य भर सं लाखों लोक पटना अएलाह. एहि उत्सव के गवाह बनय लेल.
बिहार दिवस पर भेल ई उत्सव एक तरहे कामयाब सेहो रहल. जे लोकनि एहि ठाम अएलाह...खुश भs क गेलाह. सभ लोक मे अपना के बिहारी होए के मान जगलन्हि... बिहारी होए के स्वाभिमान पैदा भेलन्हि. अपन गौरवशाली इतिहास... विरासत... अतीत के जानि माथ ऊंच कsक घर लौटलाह. सभ लोक के एक सुर मे कहनाय छलन्हि जे ई कार्यक्रम पहिने होबाक चाही छल. दुनिया के पहिल गणतंत्र देबय वाला वैशाली बिहार छल... दुनिया मे ज्ञान के प्रकाश फैलाबय वाला नालंदा ओर विक्रमशिला छल... शांति आओर मानवता के संदेश भगवान बुद्ध आओर भगवान महावीर बिहार सं दुनिया मे पहुंचलखिन्ह. सिख धर्म के ज्योति सेहो बिहार सं फैलल. आजादीक लड़ाई के सभसं अहम चरण महात्मा गांधी बिहार सं शुरू कएलखिन्ह. कतेक गिनाओल जाउ. पूरा किताब भरल अछि.
बिहार दिवस मे आबि जखन लोक के अपना बारे मे एतेक जानय लेल मिललन्हि त ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के जी भरि कs धन्यवाद दैत विदा भेलखिन्ह. एहि कार्यक्रम के करि नीतीश जी राज्य के लोक के हृदय मे बैसि गेलाह. राज्यक हर जिला... प्रखंड... पंचायत... स्कूल मे एहन कार्यक्रम भेल आओर लोक मे बिहार के लsक जागरूकता फैलाएल गेल. लोक के बिहारक विकास के बारे मे बताएल गेल. सड़क... कानून व्यवस्था... स्कूली शिक्षा... पढ़ाई-लिखाई... साइकिल योजना... पोशाक योजना... पेंशन योजना सभ के बारे मे बताएल गेल. नीतीश सरकार के जतेक विकास योजना... कल्याण योजना अछि लोक के सामने राखल गेल. भला लोक के सामने अपन बात राखल के नीतीशजी के एहि सं बेहतर आओर कोन मौका मिलतन्हि ?
लालूजी आओर पासवानजी भने बेसि समय बिहार मे द रहल छथिन्ह मुदा लोक के सामने अपन विकासक तस्वीर नहि राखि पएलखिन्ह. आओर फेर ओ किछ परेशानी मे सेहो बझल छथि. राहुल गांधी बिहार पर भने जोर देने छथिन्ह मुदा ओ अपने तं बिहार के मुख्यमंत्री नहि बनताह. किनका बनएताह? पार्टी पद के लsक पहिनहि सं सिरफुटव्वल भs रहल छनि कांग्रेस मे. टाइटलर जी बिहार के बारे मे कतेक कs सकय छथिन्ह. करय के होएतन्हि तं एहिठामक लोकले नेता सभ के. मुदा एकटा इर घाट द दोसर वीर घाट. कोनो तालमेल नहि. एहन मे नीतीश जी आबय वाला चुनाव के देखि हर चाल सावधानी सं चलि रहल छथि.
ओना नीतीश जीक परेशानी खुद कम नहि छनि. मुदा फिलहाल ओ अपन पकड़ बनौने छथि. आओर विकास के नारा लगा लोक के दिमाग मे अपन बात बैसा रहल छथिन्ह. लोक मे स्वाभिमान जगा रहल छथिन्ह. आओर जे काज पूरा राज्य मे घुमि कs पार्टी के खर्चा सं होएत ओ काज बिहार दिवस के मार्फत सरकारी पैसा सं भs गेलन्हि. नीतीशजी अखन बिहार दिवस सं लोक के दिमाग मे विकास के बात भरि देलखिन्ह अ... आब ओ विकास के काज पर जोर लगा देथिन्ह. अहां देखबय चुनाव नजदीक अछि... तारीख जेना-जेना करीब आएत काज जोर पकड़त. सरकार के मंत्री ...विधायक सभ के काम-काज मे तेजी अएतन्हि. एहि बीच भs सकैत अछि किछ नौकरी के विज्ञापन सेहो निकलय आओर आचार संहिता लागू होए सं पहिने सभ किछ करय के कोशिश कएल जाएत.
आओर जखन विपक्ष कमजोर होए... दिशाहीन होए... राज्य के गर्त मे लs जाए के आरोप सं घिरल होए... तखन राज्य मे विकास के एकटा रफ्तार लाबय वाला सरकार के लोक जीताओ दय तं ओहि मे कोनो अचरज नहि होबाक चाही. ई सोचि कि चलु एक बेर आओर मौका दs देख लय छिएन्हि तं कोनो हैरान होबय के बात नहि. बिहार दिवस सं नीतीश जी अपन अभियान के शुरू कs देने छथिन्ह. आब देखिऔं कि होएत अछि. ओना चुनाव के बारे मे कोनो भविष्यवाणी नहि कएल जा सकैत अछि. केहनो धुरंघर पटखनी खा सकय छथि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. राजनेताओं का कार्यक्रम हो और चुनाव की बात न हो...यह कैसे मुमकिन है...

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...