बिहार मे बदलाव

बिहार मे बदलाव के बयार बहि रहल अछि. ई कहनाय अछि विश्व बैंक के. विश्व बैंक के कहनाय अछि जे बिहार मे चारु कात विकास भs रहल अछि... विकासक दिशा मे बढ़ि रहल अछि. विश्व बैंकक रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे भारतक सभसं गरीब राज्य मे सं एक बिहार हर दिशा मे सुधारक बल पर आगां बढ़ि रहल अछि. कानून–व्यवस्था मे सुधारक संग कइटा पहल कएल गेल अछि. राज्य मे हर तरफ भs रहल बदलाव के साफ महसूस कएल जा सकैत अछि. राज्य मे बड़का पैमाना पर सुधार कार्यक्रम चलाएल जा रहल अछि. बच्चा सभ के स्कूल लाबय लेल... भ्रष्टाचार खत्म करय लेल सरकार धन के सही इस्तेमाल करि रहल अछि. विश्व बैंक के इहो कहनाय अछि जे राज्य मे गरीबी कम भs रहल अछि आओर आर्थिक विकास सेहो भs रहल अछि. लोक के आमदनी बढ़ल अछि... एकरे संग विकास कार्य पर सेहो बेसि खर्च कएल जा रहल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

आंसू

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

गुजरात मे पहिल दिन...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड