मधुबनी के सरिसवपाही मे मैथिलीक प्रख्यात विद्वान तंत्रनाथ झा आओर सुभद्र झाजीक जन्मशत वार्षिकी भs रहल अछि. एकर आयोजन दिल्ली के साहित्य अकादमी आओर सरिसवपाही के साहित्यिकी के ओर सं कएल गेल अछि. दू दिनक एहि संगोष्टी मे करीब पचास टा विद्वान अपन-अपन व्याख्यान देताह. जाही मे डॉ अमरनाथ...डॉ सुरेश्वर झा... डॉ रामदेव झा... जीवकांत... गोविंद झा... चंद्रनाथ मिश्र अमर शामिल छथिन्ह. संगोष्ठी मे सुभद्र झा जीक पुत्र डॉ भाष्कर झा सेहो अएताह. भाष्कर जी इलाहाबाद विश्वविद्यालय सं जुड़ल छथिन्ह. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ पद्माशा झाजी सेहो एहि संगोष्ठी मे रहताह. मैथिलीक विकास के लेल एहन संगोष्ठी...कार्यक्रम बराबर होएत रहबाक चाही. आसपास के लोक के सेहो एहि कार्यक्रम मे शामिल भ फायदा उठएबाक चाही.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु