जन्मशत वार्षिकी संगोष्ठी

मधुबनी के सरिसवपाही मे मैथिलीक प्रख्यात विद्वान तंत्रनाथ झा आओर सुभद्र झाजीक जन्मशत वार्षिकी भs रहल अछि. एकर आयोजन दिल्ली के साहित्य अकादमी आओर सरिसवपाही के साहित्यिकी के ओर सं कएल गेल अछि. दू दिनक एहि संगोष्टी मे करीब पचास टा विद्वान अपन-अपन व्याख्यान देताह. जाही मे डॉ अमरनाथ...डॉ सुरेश्वर झा... डॉ रामदेव झा... जीवकांत... गोविंद झा... चंद्रनाथ मिश्र अमर शामिल छथिन्ह. संगोष्ठी मे सुभद्र झा जीक पुत्र डॉ भाष्कर झा सेहो अएताह. भाष्कर जी इलाहाबाद विश्वविद्यालय सं जुड़ल छथिन्ह. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ पद्माशा झाजी सेहो एहि संगोष्ठी मे रहताह. मैथिलीक विकास के लेल एहन संगोष्ठी...कार्यक्रम बराबर होएत रहबाक चाही. आसपास के लोक के सेहो एहि कार्यक्रम मे शामिल भ फायदा उठएबाक चाही.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com




Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा