मायक आशीर्वाद

घर सँ बहराइतेँ माइ कहलनि
जा...जाए छs त मुदा
एकटा बात मोन मे खोइस लs
जखन कहियो आकाश बाटे जहिs त
सम्हरि केँ चलिहs आ किछु आन चीज नहि छूबिहs
चान तरेगनक गाम आएत
लागत पैरक ठेस त टूटि जायत
बड्ड नोखगर होइत अछि घोपाइयो जाइत
जखन रौद फुटत तखने यात्रा करिहs
किएsकि रौदे मे रहय छै ठंढक छॉव
भगवाने बचेताs तोरा सभ दुख सँ
हमर आशीर्वाद त साथहि छs “बऊआ”
-त्रिपुरारि कुमार शर्मा

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. बड्ड नीक लागल | पढ़ैते मायक याइद आबि गेल | लिखैत रहु त्रिपुरारि जी | मिथिला आ मैथिली के नाम रौशन करैत रहु |

    ReplyDelete
  2. Mujhe kuchh samajhh mein aaya kuchh nahin aayaa, par tun maithili mein bhi likh sakte ho, yeh jaankar zaroor achchha laga.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)