खगड़िया मे आम्रपाली उतरल पटरी सं


खगड़िया के पास आम्रपाली एक्सप्रेस के पटरी सं उतरय सं एक यात्री मारल गेलाह आओर 22टा घायल भs गेलाह. 5708 डाउन आम्रपाली एक्सप्रेस अमृतसर सं कटिहार जा रहल छल कि गौछारी-पसराहा के बीच बनबेलवा गाम के पास 8टा डिब्बा पटरी सं उतरि गेल. लोक के कहनाय छनि जे खगड़िया तरफ राति मे जोरगर पानि भS रहल छल जकरा कारण ट्रेन पटरी सं उतरि गेल. गाड़ी के पटरी सं उतरय आओर खूब जोर सं आवाज होए के बाद लोक सभ हड़बड़ा गेलाह आओर जान बचाबए लेल कूदय लगलाह. जेहि सं करीब 22टा लोक घायल भ गेलाह. दुर्घटना के बाद बरौनी आओर कटिहार सं राहत दल भेजल गेल अछि. ओना गाड़ी के पटरी सं उतरय के बाद रेल सेवा प्रभावित अछि. गाड़ी एहि दsक नहि चलि रहल अछि. रास्ता साफ होए मे कनि टाइम लगि सकैत अछि. गाड़ी सभ के दोसर रास्ता सं भेजल जा रहल अछि. अगर अहां के कोनो तरहक पूछताछ करबाक होए त रेलवे के हेल्पलाइन नंबर पर फोन क s सकय छी. नंबर अछि
हाजीपुर- 0622-4272230,
खगड़िया- 0624-4222049,
मुज़फ़्फ़रपुर- 0621-2215232,
बरौनी- 0627-9232222.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

किछ हरायल शब्द

हमर विआह- 8

दिल्ली प्रेस क्लब में 7 दिसंबर के मिथिला महोत्सव आ मिथिला लिटरेचर फेस्टिवल

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

अहां केना सहैत होएब ?