नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

इंद्रपूजा शुरू

भगवान इंद्र आओर दोसर भगवान... देवी-देवता के पूजा के संग इंद्र पूजा महोत्सव शुरू भ गेल अछि. अपन मिथिला मे सभ सं नीक... भव्य इंद्र पूजा मधुबनी मे होएत अछि. पहिने दरभंगा राज परिसर आओर राजनगर मे सेहो खूब रमन-चमन सं होएत छल. मुदा दरभंगा राज कैंपस मे होए वाला पूजा आब कहि सकय छी सिर्फ औपचारिकता पूरा करय लेल होएत अछि. राजनगर मे अखनो खूब जोर-शोर सं कएल जाएत अछि. मुदा एहिठाम जगह किछ कम पड़ि जाएत अछि. बीच बाजार मे होए के कारण भीड़-भाड़ बेसि भs जाएत अछि.
ओना आब झंझारपुर... लौकहा मे सेहो खूब चमक-दमक के संग इंद्र पूजा महोत्सव मनाएल जाएत अछि. पूजा एक तारीख के शुरू भेल आओर दस दिन तक चलत. एहि के लेल मेला लगनाय शुरू अछि. मेला मे कई तरहक मनोरंजन के व्यवस्था कएल गेल अछि. झूला... थियेटर... आर्केस्ट्रा कई तरहक कार्यक्रम सभ भs रहल अछि. स्थानीय व्यापारी सभ के लेल सेहो कमाय के मौका रहय छनि. रंग-बिरंग के सामान के दोकान सभ खुलि गेल अछि. मुदा एहि बेर सूखा आओर बाढि के प्रभाव के कारण उत्साह किछ कम अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


4 टिप्‍पणियां:

  1. बहुत खुब, आपको इन्द्र पूजा की ढेर सारी बधाई.....

    जवाब देंहटाएं
  2. अहाँक बात सत्य जे आब इन्द्र पूजा औपचारिकता मात्र रहि गेल अछि, मुदा अखनो मधुबनी के काली मंदिर परिसर में विशाल भीड़ के अनुभव होयत अछि।

    जवाब देंहटाएं
  3. haan... ekdam theek kahlaun rajeev jee... Indra Pooja Madhubani ke naami achhi apna ilaqa mein
    dhanyawad

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु