Skip to main content

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

बिहार मे सरकारी स्कूल के बच्चा सभ के लेल सेहो कम्प्यूटर सं पढ़ाई शुरू भs गेल अछि. ई संभव भेल अछि बिहार सरकार के ‘ई-समर्थ’ योजना के कारण. निजी- सरकारी भागीदारी सं शुरू भेल ई योजना अखन कक्षा 6, 7 आओर 8 के विद्यार्थी के लेल अछि. आगां एहि मे सभ क्लास के बच्चा के शामिल कएल जाएत. विद्यार्थी सभ के लेल 171 तरहक पाठ तैयार कएल गेल अछि जेहि सं बच्चा सभ के पढ़ाई मे रुचि जागए. नवका-नवका चीज नव ढंग सं सीख सकय...सोचि सकय. एक बात आओर जे अखन ई सुविधा बिहार के 244 मिडिल स्कूल मे शुरू कएल गेल अछि. अगर एकर रिपोर्ट उत्साहजनक रहल त राज्य के करीब सभ 25 हजार मिडिल स्कूल मे कम्प्यूटर सं पढाई शुरू करि देल जाएत.
सरकार के कोशिश कम्प्यूटर के जरिए पढ़ाई-लिखाई के बच्चा सभ के लायक बनानाय... प्रभावी शिक्षा देनाय... मन लागय वाला पाठ...कहानी के माध्यम सं रोचक ढंग सं ज्ञान मे विस्तार लनाय अछि. कम्प्यूटर शिक्षा के माध्यम सं बच्चा सभ के आधुनिक शिक्षा मिलय. नव-नव चीज जानय लेल मिलय. कम्प्यूटर शिक्षा के लेल अखन हर स्कूल के तीन टा कम्प्यूटर...एकटा प्रोजेक्टर आओर जेनरेटर देल गेल अछि. एहि सं पहिने स्कूल के मास्टरजी के जरूरी कम्प्यूटर प्रशिक्षण सेहो देल गेल अछि. बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि ई-समर्थ योजना के उद्घाटन कएलखिन्ह.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. namsakar sab mitilaa (hello mithilaa)
    hum akta big pablication so jural chi.
    kuch. hum.
    lak saso likath chi
    app. say sanpark kary ka bast or mitilaa kanyan or vikas
    kavita .
    rama kant jha
    ramakant_airtel@yahoo.co.in

    ReplyDelete
  2. Dhanyawad Ramakant jee... ahan gaam ghar ke samachar... kavita... kahani aur lekh Hellomithilaa@gmail.com par bhej del karu

    ReplyDelete
  3. Neek khabar achhi .
    Rahul, Bhagalpur

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...