नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

बिहार मे सरकारी स्कूल के बच्चा सभ के लेल सेहो कम्प्यूटर सं पढ़ाई शुरू भs गेल अछि. ई संभव भेल अछि बिहार सरकार के ‘ई-समर्थ’ योजना के कारण. निजी- सरकारी भागीदारी सं शुरू भेल ई योजना अखन कक्षा 6, 7 आओर 8 के विद्यार्थी के लेल अछि. आगां एहि मे सभ क्लास के बच्चा के शामिल कएल जाएत. विद्यार्थी सभ के लेल 171 तरहक पाठ तैयार कएल गेल अछि जेहि सं बच्चा सभ के पढ़ाई मे रुचि जागए. नवका-नवका चीज नव ढंग सं सीख सकय...सोचि सकय. एक बात आओर जे अखन ई सुविधा बिहार के 244 मिडिल स्कूल मे शुरू कएल गेल अछि. अगर एकर रिपोर्ट उत्साहजनक रहल त राज्य के करीब सभ 25 हजार मिडिल स्कूल मे कम्प्यूटर सं पढाई शुरू करि देल जाएत.
सरकार के कोशिश कम्प्यूटर के जरिए पढ़ाई-लिखाई के बच्चा सभ के लायक बनानाय... प्रभावी शिक्षा देनाय... मन लागय वाला पाठ...कहानी के माध्यम सं रोचक ढंग सं ज्ञान मे विस्तार लनाय अछि. कम्प्यूटर शिक्षा के माध्यम सं बच्चा सभ के आधुनिक शिक्षा मिलय. नव-नव चीज जानय लेल मिलय. कम्प्यूटर शिक्षा के लेल अखन हर स्कूल के तीन टा कम्प्यूटर...एकटा प्रोजेक्टर आओर जेनरेटर देल गेल अछि. एहि सं पहिने स्कूल के मास्टरजी के जरूरी कम्प्यूटर प्रशिक्षण सेहो देल गेल अछि. बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि ई-समर्थ योजना के उद्घाटन कएलखिन्ह.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


3 टिप्‍पणियां:

  1. namsakar sab mitilaa (hello mithilaa)
    hum akta big pablication so jural chi.
    kuch. hum.
    lak saso likath chi
    app. say sanpark kary ka bast or mitilaa kanyan or vikas
    kavita .
    rama kant jha
    ramakant_airtel@yahoo.co.in

    जवाब देंहटाएं
  2. Dhanyawad Ramakant jee... ahan gaam ghar ke samachar... kavita... kahani aur lekh Hellomithilaa@gmail.com par bhej del karu

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु