नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बाढ़ि प्रभावित इलाका मे नीतीश


मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दरभंगा मे बाढ़ि प्रभावित इलाका के दौरा कएलाह. दरभंगा मे मुख्यमंत्री आला अधिकारी सभ के संग बैठक कs हालत के समीक्षा सेहो कएलाह. नीतीश जी अफसर सभ के एकदम मुस्तैद रहय आओर राहत-बचाव मे तेजी लाबय के निर्देश देलखिन्ह. मुख्यमंत्री साफ कहलखिन्ह जे लोक के कोनो परेशानी नहि होबाक चाही आओर सभ लोक तक राहत पहुंचबाक चाही.
पिछला बेर कोसी मे बाढ़ि के समय नीतीशजी के विपक्षी पार्टी सभ खूब निशाना बनौने छलखिन्ह. एहि लेल नीतीशजी एहि बेर कोनो चांस नहि लेबय चाहय छथिन्ह. हमर गाम केवटी के पास खिरमा मे जखने हाईवे पर पानि चढ़ल तुरंत कमिश्नर साहेब... डीएम साहेब आओर सभ आला अधिकारी हरकत मे आबि गेलखिन्ह. मुख्यमंत्री खुद दौरा कs हालात सं रूबरू भेलखिन्ह. मुख्यमंत्री के अएला सं काज मे तेजी आएल अछि. राष्ट्रीय आपदा नियंत्रण बल के जवान सेहो मोटरवोट के संग राहत- बचाव मे लागल छथिन्ह.
दरभंगा आओर मधुबनी के एकटा बड़का इलाका बाढ़ि सं प्रभावित अछि. दरभंगा शहर के किछ इलाका मे सेहो पानि घुसल अछि. पानि के कारण बिजली... गैस... किरासन तेल... सब्जी सभ के आपूर्ति प्रभावित भेल अछि. बीच –बीच मे पानि भs जाए के कारण हालत आओर खराब भेल अछि. केवटी... जाले... बहादुरपुर... घनश्यामपुर... कीरतपुर... गौड़ा बौराम... कुशेश्वरस्थान इलाका बेसि प्रभावित अछि. हमर गाम जाए के रास्ता अखन धरि बंद अछि. दरभंगा जिला के 18 मे सं 13 आओर मधुबनी जिला के आठ टा प्रखंड बाढ़ि सं बेसि प्रभावित अछि. एकरे संग नदी के जलस्तर बढ़य के कारण तटबंध सभ पर दबाव सेहो बनल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु