Skip to main content

रेल बजट : बिहार के उपेक्षा

ममता बनर्जी के रेल बजट मे बिहार के उपेक्षा के लोक निराश छथि. लोक के उम्मीद छल जे कम सं कम लालूजी जे परियोजना शुरू कएने छथिन्ह ओकरा मे तेजी लाएल जाएत. मुदा ओहि पर एक तरहे समझु नहि ध्यान देल गेल. ओहि परियोजना सभ के लेल काफी कम राशि देल गेल अछि. एकतरहे खानापूर्ति कएल गेल अछि. गर्मी छुट्टी... छठ... दुर्गा पूजा... होली के समय बिहार जाए वाला ट्रेन मे कि हाल रहैत अछि जे अहां सभ जानिते छी. लोक के उम्मीद छल जे किछ नबका ट्रेन शुरू कएल जाएत. मुदा ओ पूरा नहि भेल. 

देश मे 50 टा विश्वस्तरीय स्टेशन बनाएल जाएत ओहि मे बिहार सं सिर्फ गया अछि. पटना के नाम ओहि मे नहि अछि. एहि बात पर पूर्व रेल मंत्री लालू यादव जी सेहो अपन नाराजगी जतएलखिन्ह. सातटा शहर मे स्टेशन पर एंबुलेंस सेवा शुरू कएल जाएत ओहि मे सेहो बिहार के कोनो स्टेशन नहि अछि. लेडीज स्पेशन के सुविधा सेहो बिहार के लेल अखन नहि अछि. बारहटा नॉन स्टॉप ट्रेन चलाएल जाएत ओहि मे सेहो बिहार के एकोटा ट्रेन नहि अछि. कम सं कम पटना से दिल्ली या पटना सं कोलकाता के लेल देबाक चाही छल. लोक मे एहि बात के लेल सेहो रोष अछि.
देश के जे 375 स्टेशन के आदर्श स्टेशन के रूप मे बदलल जाएत ओहि मे बिहार के बिहार शरीफ... जयनगर... मधुबनी... पटना साहिब... सीतामढी आओर सुल्तानगंज शामिल अछि.

रेल बजट मे 57टा नबका ट्रेन शुरू कएल गेल...27टा के विस्तार आओर 13टा ट्रेन के फेरा बढ़ाबय के घोषणा कएल गेल...
नबका ट्रेन एहि प्रकार सं अछि जे बिहार सं गुजरत...
- न्यू जलपाईगुड़ी- दिल्ली एक्सप्रेस वाया बरौनी (सप्ताह मे दु दिन)
- नई दिल्ली- गुवाहाटी राजधानी एक्सप्रेस (साप्ताहिक) वाया मुजफ्फरपुर
- रांची -पटना जनशताब्दी एक्सप्रेस (प्रतिदिन)
- जमालपुर- गया पैसेंजर (प्रतिदिन)
- झाझा- पटना एमईएमयू (प्रतिदिन)
जेहि गाड़ी के विस्तार देल गेल अछि ओ एहि तरह सं अछि-
- पोरबंदर-बापूधाम-मोतिहारी का मुजफ्फरपुर तक विस्तार (सप्ताह मे दु दिन)
जकर फेरा बढ़ाएल गेल अछि से अछि-
- सिकंदराबाद-पटना (सप्ताह मे दु दिन सं बढ़ाक प्रतिदिन)
- पुणे-पटना एक्सप्रेस (सप्ताह मे चारि दिन सं बढ़ाक प्रतिदिन)
जखन लोकसभा चुनाव खत्म भेल छल आओर रिजल्ट आएल छल त हम एकटा लेख लिखने छलहुं कि नीतीश के जीत बिहार के हार अछि त कइटा लोक एकरा बकवास करार देने छलखिन्ह. मुदा रेल बजट सं साबित भs रहल अछि जे बिहार के संग भेदभाव के शुरूआत भ गेल अछि. खबर त एहनो अछि जे बिहार के केंद्र तरफ जे पाई मिलैत अछि ओहि मे सेहो कटौती भs रहल अछि. एहन संकेत मिलि रहल अछि जे वर्ष 2009-10 के लेल बिहार के योजना मे पांच हजार करोड़ रुपया के कमी कएल जा रहल अछि. आब देखिऔ कि होएत अछि.
Bookmark and Share

Comments

  1. Bhai, Lalu ne koi pariyogna kabhi shuru nahi ki..... haan wayde jarur kiye the... aur unke paperwork bhi nahi karaye unhone....

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...