उम्मीद अछि जे एक अगस्त सं इज्जत सेवा शुरू भs जाएत. एहि इज्जत सेवा के घोषणा रेलमंत्री ममता बनर्जी के रेल बजट मे भेल छल. एक तारीख सं ई शुरू भs जाए एकरा लेल जोर-शोर सं तैयारी चलि रहल अछि. इज्जत सेवा मे एक सय किलोमीटर तक आबय-जाए लेल 25 रुपया के पास मिलत. ई पास गरीबी रेखा सं नीचा रहय वाला ओहन लोक के मिलत जिनकर मासिक आमदनी डेढ़ हजार सं बेसि नहि छनि. गरीब-गुरबा के लेल शुरू भेल एहि सेवा के मकसद अछि काम-काज के लेल डेली शहर अप-डाउन करय वाला लोक के 25 रुपया मे मासिक सीजन टिकट देनाए. एहि सेवा सं दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता... पटना जैसन बड़का शहर मे दूर-दराज सं डेली काज करय आबय वाला लोक सभ के फायदा होएतन्हि. अपन मिथिला मे सेहो सैकड़ो लोक रोज मुजफ्फरपुर... समस्तीपुर... दरभंगा... बरौनी... अप-डाउन करय छथि. हुनका सभ के आब मात्र पचीस रुपया मे मास धरिके लेल पास मिल जएतन्हि. लोक के लेल ई नीक कदम अछि. एकरा फायदा समाज के एकटा बड़का तबका के मिलत. आओर पहिने कहिओ काल किछ लोक जे बेटिकट चलि जाए छलाह आब पास ल क बेधड़क जएताह. त एहि बात के अहां सभ सेहो अपन गाम-घर के लोक सभ के बता दिऔन्हि जेहि सं ओ पास बनबाबय मे जुटि जएताह.
हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com
नीक खबर । एहि सं लाखों लोक के फायदा होएत ।
जवाब देंहटाएं