नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केना मांगताह वोट

बिहार मे चुनाव के सभ सं महत्वपूर्ण दौर 30 तारीख के पूरा होई वाला अछि. 30 तारीख के वोट मिथिला के कोसी इलाका मे पड़य वाला अछि. जेहि लोकसभा क्षेत्र मे वोट पड़य वाला अछि ओहि मे सुपौल... अररिया... किशनगंज... कटिहार... पूर्णिया... मधेपुरा... बेगूसराय... खगड़िया... भागलपुर... बांका आओर मुंगेर शामिल अछि. कोसी क्षेत्र मे मतदान होए वाला अछि मुदा लोक मे चुनाव के लsक जे उत्साह होबाक चाही ओ नहिं अछि. कोसी इलाका मे गेलाह सं अहां के नहिं लागत जे एहिठाम वोट होए वाला अछि. लोक सभ खिसिआएल छथिन्ह. मतदाता के मूड देखि नेता सभ सेहो डराएल छथिन्ह. एहन पहिल बेर अछि जे नेता अपना क्षेत्र मे जाए सं डरि रहल छथि. हुनका लोकक मन मे भरल गुस्सा... पीड़ा के अंदाजा छनि.

इलाका मे कोसी के बाढ़ि अएला किछ दिन मे साल भर भs जाएत. मुदा लोकक जिनगी अखनो पटरी पर नहिं आएल अछि. जीवन कटनाय अखनो पहाड़ बनल अछि. बाढ़ि के समय मे चारु कात जतय पानिए-पानि देखाएत छल आई-काल्हि बालूए-बालू दिखाएत अछि. जेहि खेत मे धान- गेहूं के फसल लहलहाएत छल ओ तीन-तीन...चारि-चारि फीट बालू सं भरल अछि. आरि-धूरी सभ मिटाएल अछि. ई पता लगानाय मुश्किल भs गेल अछि जे कोन जमीन ककर अछि. कोन खेत ककर अछि. एहन हाल मे बरजोर...दबंग लोक कमजोर लोक के जमीन पर कब्जा सेहो कs रहल छथिन्ह. लोक सरकारी दफ्तर के चक्कर लगएलाह मुदा कोनो फर्क नहिं पड़ल. कमजोर लोक के एक-एक पल जिनगी बितानाय सदी कटनाय जकां भs गेल छनि.

बाढ़ि पीड़ित के पुनर्वास के काज अखन धरि पूरा नहिं भ पाएल अछि. जहां लालू प्रसाद यादव आओर रामविलास पासवान एकरा लेल बिहार सरकार के जिम्मेदार ठहराबय छथिन्ह ओतय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के कहनाय छनि जे केन्द्र सरकार सं अखन धरि पाई नहिं मिलला के कारण पुनर्वास के काज शुरू नहिं भ पाएल अछि. नीतीश कुमार आरोप लगा रहल छथिन्ह जे केन्द्र सरकार पैकेज देबय मे देर करि रहल अछि. हुनकर इहो तहनाय छनि जे केंद्र मे बिहार के जे मंत्री छथि ओ सरकार पर दबाव बनाबय मे नाकाम रहला आओर आब जखन हुनका लागि रहल छनि जे लोक गुस्साएल अछि त कांग्रेस के दस तरहक बात के लेल कोइस रहल छथिन्ह.

दोसर ठाम जतय नेता सभ विकास के गप्प क s रहल छथिन्ह. ओतेय कोसी इलाका मे हुनकर हिम्मत काज नहिं कs रहल छनि. फूरा नहिं रहल छनि जे कि कएल जाए. कई ठामक लोकक कहनाय छनि जे जखन नेता सभ के हमर कोनो चिंता-फिकिर नहिं त फेर हम हुनकर किएक करएन्हि. एहि बेर ओ किनको वोट देबय सं इनकार करि रहल छथिन्ह. चुनाव के ई हाल अछि जे गाम घर मे पार्टी के झंडा पोस्टर देखय ले नहिं मिलि रहल अछि. एक्का-दुक्का पोस्टर, झंडा- बैनर कतहुं देखय लेल मिलैत अछि. एहन मे नेताजी केना मांगताह वोट !


Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites



TwitIMG

3 टिप्‍पणियां:

  1. नेताजी ठगता कतेक साठि बरस बीत गेल।
    उचित आय व्यवहार इ नया जागरण भेल।।

    सादर
    श्यामल सुमन
    09955373288
    www.manoramsuman.blogspot.com
    shyamalsuman@gmail.com

    जवाब देंहटाएं
  2. JANTA ke gussa jayaj achhi , kiek t,a neta sabh choonabi '' wada'' ke tarah gambhir samsya ke seho bhooli jait achi. takhan t,a janta-janardan ta yaad dilaibai kartain .
    hamra soch s,a janta je kay rahal chhati o sahi k,a rahal chhati.
    prabandha

    जवाब देंहटाएं
  3. KENA MANGATAH VOTE ,ee kon SAWAAL bhel . jinka sharm-haya chhanhi hunka lel apanek shabda upyukta achi . ee neta lokani ke kono sharm aa laaz thore chanhi . jahina pahile mangait chhalah , tahina akhhano mangtah. besharm bhay k,a
    prabandha kumar singh

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु