नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एम्हर ओम्हर के खबर

सहरसा-
1. सहरसा के स्टेडियम ग्राउंड मे उद्योग मेला शुरू भेल. मेला मे नब -नब चीज के देखय लेल लोक के भीड़ आबि रहल अछि. सभ सं बेसि भीड़ कृषि विभाग के स्टॉल पर देखाय पड़ि रहल अछि.

2. बिहार के उद्योग मंत्री दिनेशचन्द्र यादवजीक कहनाय छनि जे बैजनाथपुर पेपर मिल छह  मास के भीतर चालू  करि देल जाएत . एकरा लेल सरकार के तरह सं झंडा देखा देल गेल अछि आओर मिल के लेल जरूरी उपकरण...कल-पूर्जा जुटाबय के तैयारी सेहो शुरू  भs गेल अछि . मंत्रीजी के इहो कहनाय छलन्हि जे सहरसा मे जल्दीए एकटा बड़का औद्योगिक प्रांगण स्थापित  कएल जाएत.

समस्तीपुर-

राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय के फ्लैक्स हाउस मे दु दिनक मधु मेला शुरू भेल. ई मेला शुक्र आओर शनिदिन चलत.  मेला मे मधुमक्खी पालन के कइटा स्टॉल लगाएल गेल अछि.


भागलपुर-

भागलपुर मे पुसा के तर्ज पर एकटा नबका कृषि विश्वविद्यालय खोलल जाएत. एहि पर करीब 350 करोड़ रुपया खर्च होएत. एकर घोषणा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन विकास यात्रा के  क्रम मे कएलखिन्ह.



झंझारपुर-

बिहार के आपदा प्रबंधन राज्यमंत्री नीतीश कुमार के कहनाय छनि जे झंझारपुर मे राष्ट्रीय स्तर के स्टेडियम बनत. स्टेडियम मे ओ सभ सुविधा रहत से राष्ट्रीय स्तर के स्टेडियम मे होएत अछि.





दरभंगा-

अपन मांग के लs क बिहार राज्य विश्वविद्यालय आओर महाविद्यालय कर्मचारी महासंघ के आह्वान पर राज्य के  9 विश्वविद्यालय के सभटा शिक्षकेतर कर्मचारी सामूहिक अवकाश पर रहताह.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु