नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आकाशवाणी सं मैथिली संगीत

मैथिल लोक के लेल एकटा नीक खबर अछि. आकाशवाणी केंद्र दरभंगा सं आब मैथिली मे सुगम संगीत के प्रसारण होएत. शुरू मे मैथिली सुगन संगीत के प्रसारण दु दिन होएत जकरा बाद मे बढ़ा कs सभ दिन करि देल जाएत. एहि मे मैथिली गीतनाद... भजन... गजल के प्रसारण होएत. एहि कदम सं त मैथिलीक लोकप्रियता त बढ़बे करत गायक... संगीतकार आओर गीतकार सभ के रोजगार सेहो मिलतन्हि. दरभंगा आओर आसपास के इलाका के लोक सभ एकर फायदा उठा सकय छथिन्ह. एकटा नीक गप्प आओर ई अछि जे एकटा गीतकार सं साल मे पांचेटा गीत लेल जएतन्हि . एकर फायदा ई होएत जे साल मे सय... सवा सय कलाकार के... गीतकार के मौका मिलतन्हि. गीतकार के गीत के सवा 6 सय रुपया के हिसाब सं पाई देल जएतन्हि. एकरे संग गायक के साढ़े 9 सय आओर संगीतकार के साढ़े बारह सय रुपया देल जाएत. एकरा लेल कलाकार के चयन आओर स्वर परीक्षा प्रक्रिया शुरू कs देल गेल अछि. आवेदन लेल जा रहल अछि. 24 फरवरी सं 27 फरवरी धरि स्वर परीक्षा लेल जाएत. चुनल कलाकार के डाक आओऱ फोन सं सूचित करि देल जाएत.

दरभंगा आकाशवाणी सं मैथिली मे समाचार बुलेटिन शुरू होए के बादहिं सं मैथिली मे सुगम संगीत के कार्यक्रम शुरू करय के मांग भs रहल छल. आकाशवाणी महानिदेशालय सं एकर अनुमति सेहो मिलि गेल अछि. मैथिली के मान्यता मिलला केर बाद सं एकर विकास के लेल काज भs रहल अछि. आगां जाs क मैथिली के आओर कार्यक्रम सभ शुरू भs सकैत अछि. बस बीच...बीच मे नेता सभ...अफसर सभ के हुरकारैत रहय के जरूरत अछि.

2 टिप्‍पणियां:

  1. bahut nik khabar achi, aur ham chahb je hello mithila khabar ke sath sath apan sahyog ahi nik karya me da project ke safal bana ka darbhanga akashbani san maithili gana bajana pure bihar me gunje , hamar subhkamna ahan sabhak sang achi,

    RAJNISH KUMAR JHA
    AT & POST BARHARA
    THANA : BABUBARHI
    DIST: MADHUBANI
    BIHAR (847401 )
    MO. 09810591823
    09868028923

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु