होली आबय वाला अछि आओर लोक सभ गाम जाए के लेल रेलवे रिजर्वेशन काउंटर पर टिकट के लेल भीड़ लगौने छथि. टिकट के लेल मारामारी भs रहल अछि. कइटा गाड़ी मे त टिकट नहिं मिलि रहल अछि. भीड़ के देखैत रेलवे के तरफ सं होली के लेल स्पेशल ट्रेन चलाएल जा रहल अछि . होली के लेल चारि टा स्पेशल ट्रेन चलत. चारु ट्रेन बिहार भs क चलत. एकटा ट्रेन नई दिल्ली सं पटना के बीच चलत... दोसर दिल्ली सराय रोहिल्ला सं दरभंगा के बीच जखन की तेसर आओर चारिम दिल्ली सं गुवाहाटी के बीच चलत. पटना आओर नई दिल्ली के बीच ट्रेन नंबर 2393A आओर 2394A चलत. ई स्पेशल ट्रेन नई दिल्ली सं सांझ मे 1700 बजे खुलि दोसर दिन 1000 बजे पटना पहुंचत. जखन कि पटना सं ई ट्रेन 1200 बजे दिन मे खुलि अगिला दिन 0400 भोर मे नई दिल्ली पहुंचत. एहि मे थर्ड एसी... स्लीपर आओर जनरल डिब्बा रहत... आओर ई कानपुर... इलाहाबाद... मुगलसराय होएत पटना पहुंचत. दिल्ली सराय रोहिल्ला सं दरभंगा के बीच चलय वाला स्पेशल ट्रेन के नंबर अछि 4006A आओर 4005A. ई ट्रेन दिल्ली सराय रोहिल्ला सं राति 2215 बजे चलि अगिला दि...
हेलो मिथिला - मिथिलाक गप मैथिली मे