नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

व्यापार मेला मे मधुबनी पेंटिंग

दिल्ली के प्रगति मैदान मे चलय वाला अंतर्राष्ट्रीय व्यापार मेला मे मधुबनी पेंटिंग के झलक सेहो देखय लेल मिलि रहल अछि. ओना त मधुबनी पेंटिंग्स हर बेर देखय लेल मिलि जाइत अछि. मुदा एहि बेर खास बात ई छल जे बिहार पवेलियन मे जे मधुबनी पेंटिंग्स के प्रदर्शनी लगाएल गेल अछि ओकरा हाई स्कूल के लड़की सभ बनएले छथिन्ह. एहि पेंटिंग के बिकला से जे पाई मिलत ओहि मे से लड़की सभ के हिस्सा सेहो देल जाएत. ई पेंटिंग्स सभ के ज्ञानज्योति योजना मे शामिल लड़की सभ बनएलखिन्ह अ. नेपाल सं सटल 6 टा जिला मे ज्ञानज्योति योजना चलाएल जा रहल अछि. एहि योजना मे क्लास 6 से 8 तक के लड़की के हस्तशिल्प के प्रशिक्षण देल जा रहल अछि. एहि योजना के बिहार सरकार एनजीओ के माध्यम सं चला रहल अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु