दिल्ली के प्रगति मैदान मे चलय वाला अंतर्राष्ट्रीय व्यापार मेला मे मधुबनी पेंटिंग के झलक सेहो देखय लेल मिलि रहल अछि. ओना त मधुबनी पेंटिंग्स हर बेर देखय लेल मिलि जाइत अछि. मुदा एहि बेर खास बात ई छल जे बिहार पवेलियन मे जे मधुबनी पेंटिंग्स के प्रदर्शनी लगाएल गेल अछि ओकरा हाई स्कूल के लड़की सभ बनएले छथिन्ह. एहि पेंटिंग के बिकला से जे पाई मिलत ओहि मे से लड़की सभ के हिस्सा सेहो देल जाएत. ई पेंटिंग्स सभ के ज्ञानज्योति योजना मे शामिल लड़की सभ बनएलखिन्ह अ. नेपाल सं सटल 6 टा जिला मे ज्ञानज्योति योजना चलाएल जा रहल अछि. एहि योजना मे क्लास 6 से 8 तक के लड़की के हस्तशिल्प के प्रशिक्षण देल जा रहल अछि. एहि योजना के बिहार सरकार एनजीओ के माध्यम सं चला रहल अछि.
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
Comments
Post a Comment