Skip to main content

दुर्गापूजा लेल स्पेशल ट्रेन

दुर्गा पूजा...दिवाली आओर छठ के लsक भीड़ के देखैत दिल्ली सं बिहार के लेल तीनटा स्पेशल ट्रेन चलाएल जा रहल अछि. एहि मे एकटा ट्रेन पटना केर लेल जखन कि दुटा दरभंगा के लेल अछि. ई ट्रेन चलनाय शुरू भs गेल अछि आ 12 नवम्बर तक चलत.
नई दिल्ली स्टेशन सं पटना के बीच चलय वाला ट्रेनक नंबर अछि 0515A आओर 0516A . ई ट्रेन सप्ताह मे दु दिन चलत. पूजा स्पेशल ट्रेन पटना सं
राति 2040 मे खुलत आओर अगिला दिन सांझ मे 1800 बजे नई दिल्ली पहुंचत. जखन कि नई दिल्ली सं ई ट्रेन राति के 2300 बजे खुलत आओर अगिला दिन 1740 मे पटना पहुंचत. एहि मे थर्ड एसी, स्लीपर आओर जनरल बॉगी रहत.
दिल्ली सं दरभंगा के बीच चलय वाला ट्रेनक नंबर अछि 0349A आओर 0350A. दिल्ली सं ई ट्रेन राति के 2350 मे खुलत आओर दोसर दिन राति के पौने एक बजे दरभंगा पहुंचत. जखन कि दरभंगा सं ई 1150 मे खुलि 1330 बजे दिल्ली पहुंचत. एहि ट्रेन मे सिर्फ स्लीपर आओर जनरल बॉगी अछि.
दरभंगा के लेल एकटा आओर ट्रेन अछि 4005B आओर 4006 B. दिल्ली-दरभंगा एक्सप्रेस स्पेशल ट्रेन के नाम सं ई गाड़ी दिल्ली सं 2350 मे खुलत आओर अगिला दिन राति मे पौने एक बजे दरभंगा पहुंचत. आओर दरभंगा सं 1150 मे खुलि 1330 मे दिल्ली पहुंचत. दिल्ली-दरभंगा के बीच चलय वाला दुनु गाड़ी के टाइमिंग एकहि अछि. एके समय पर खुलत. खाली नाम दु आओर नंबर दोसर अछि. अगर दोसर सुपरफास्ट ट्रेन बिहार सम्पर्क क्रांति... स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस... गरीब रथ... शहीद एक्सप्रेस... वैशाली एक्सप्रेस... एहि सभ मे टिकट मिलय मे दिक्कत भ रहल अछि त एहि स्पेशल ट्रेन सं गाम घर जा सकय छी.


Comments

  1. hitendra ji aahaan k hum mithilavaasi bahut bahut aabhaari rahab.......ee blog sa hum dur rahitao apan maati se jural chhi.............ketabu chhip par chhadi jebai lekin jar ta apna mithila rahtae......eenahi humra sab k samachaar se avagat karabait rahu......alka

    ReplyDelete
  2. hitendra ji aahaan k hum mithilavaasi bahut bahut aabhaari rahab.......ee blog sa hum dur rahitao apan maati se jural chhi.............ketabu chhip par chhadi jebai lekin jar ta apna mithila rahtae......eenahi humra sab k samachaar se avagat karabait rahu......alka

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...