नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

शिक्षक बहाली केर रास्ता साफ

                  बिहार मे प्राइमरी स्कूल के लेल टीचर बहाली के रास्ता साफ भs  गेल अछि.   बहाली के एहि दोसर चरण मे 80 हजार टीचर के बहाली होएत.   एहि के लेल 23 अक्तूबर सं जिला स्तर पर विज्ञापन निकालल जा रहल अछि आओर 29 अक्तूबर सं आवेदन स्वीकार कएल जाएत.  प्रक्रिया के नीक सं लागू करय लेल तमाम नोडल अफसर सभ के इलाका के दौरा करय लेल कहल गेल अछि.  बाढ़ि सं प्रभावित इलाका मे पंचायत सचिव के मौजूद नहिं रहला पर दोसर सदस्य के सेवा लेल जा सकैत अछि.   आवेदन स्वीकार करय के आखिरी दिन अछि 17 नवंबर.  आवेदन के लेल कोनो फीस नहिं लेल जाएत.   एहि बेर पंचायत के लेल प्रखंड मे आवेदन कएल जा सकैत अछि.  आवेदन पत्र के ब्योरा रखय केर लेल विभाग सं रजिस्टर मिलत जेहि पर विभाग के अधिकारी के दस्तखत कएल रहत.   आवेदन के आधार पर मेरिट लिस्ट बनाएल जाएत. त सभ भाई लोकनि सं आग्रह अछि जे अगर गाम- घर मे बैसल छी त एहि शिक्षक बहाली केर लेल जरूर आवेदन करू.  एहन मौका बेर -बेर नहिं आबैत अछि.   अगर कोनो पैघ लक्ष्य लs क चलय छी त नीक गप्प अछि.  मुदा जखन धरि ओ टार्गेट नहिं पा लैत छी... तखन धरि त एकटा नीक नौका के हाथ सं नहिं जाए दिअ.

    1 टिप्पणी:

    1. Bihar sarkar ke merit list nai rakhi ke yogya sikshak ke chunav karba ke chahi kiyek ta bihar mein bahutek atte lok chhait jinka degrre ke alava kich nai aabi chhain.

      जवाब देंहटाएं

    अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु