कृषि क्रांति


 दरभंगा मे आई काल्हि कृषि मेला लागल अछि.   एहि मेला मे किसान भाई लोकनि के आधुनिक आओर उन्नत खेती के बारे मे बताएल जा रहल अछि.  ई मेला पोलो मैदान मे लागल अछि.   कृषि मेला के उद्घाटन दरभंगा के डीएम अरुण प्रसाद कएलखिन्ह.  हुनकर कहनाय छलन्हि जे किसान भाई सभ अगर उन्नत वैज्ञानिक तरीका सं खेती करताह त आत्मनिर्भर होए मे बेसि देर नहिं लगतन्हि.   एहि अवसर पर विधान पार्षद डॉ विनोद कुमार चौधरी जी सेहो मौजूद छलाह.   विनोद जी के कहनाय छलन्हि जे किसान सभ के सरकार के विकास योजना के अपनयबाक चाही... सरकार के योजना के फायदा उठयबाक चाही...जेहि सं बिहार मे कृषि क्रांति आबि सकय.  हुनकर कहनाय छलन्हि जे सरकार के जोर कृषि विकास कार्यक्रम पर अछि.  एहि लेल सरकार किसान के खाद... बीज आओर कृषि उपकरण कम दाम पर उपलब्ध करा रहल अछि.  जरूरत अछि त बस  एकर कि किसान सभ बेसि सं बेसि फायदा उठा सकथिन्ह.  कृषि मेला मे किसान सभ के खेती के बारे मे त जानकारी देले जा रहल अछि...  एहि ठाम उन्नत बीज... खाद आओर खेती के लेल उपकरण अनुदान के रूप मे कम दाम पर सेहो बेचल जा रहल अछि.


Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ