गया मे पितृपक्ष के मेला शुरू भs गेल अछि. एहिठाम फल्गु नदी के कात मे श्राद्ध आओर तर्पण कएल जाएत अछि. शास्त्र मे मनुष्य केर लेल तीन प्रकार के ऋण बताएल गेल अछि... देवऋण... ऋषिऋण आओर पितृऋण. स्वाध्याय सं ऋषिऋण... यज्ञ सं देवऋण आ


पितृपक्ष मेला केर ई स्थान पटना सं करीब सय किलोमीटर दूर अछि. हर साल पितृपक्ष मे एहिठाम भारी मेला लगैत अछि. चूंकि ई मेला गया मे लगैत अछि एहि लेल एहि मेला के स्थानीय लोक सभ गयाजी मेला सेहो कहैत छथिन्ह. ओना त एहिठाम लोग तर्पण... श्राद्ध के लेल साल भर आबैत रहैत छथिन्ह मुदा पितृपक्ष के दिन मे किछ बेसि भीड़ रहैत अछि. मृत्यु के बाद कएल गेल पिंडदान श्राद्ध कर्म मानल जाएत अछि आओर जेहि दिन माता-पिता केर मृत्यु होइ छन्हि ओहि दिन श्राद्ध करनाय के विशेष महत्व अछि. मेला के समय मे सरकार के तरफसं सेहो नीक इंतजाम कएल जाइत अछि. गया जाए- आबए के लेल बस... ट्रेन आ दोसरो गाड़ी के नीक व्यवस्था रहैत अछि. स्पेशल ट्रेन सेहो चलाएल जाइत अछि.
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु