Jaynagar- Darbhanga sawaari gaarhi


[ जयनगर-दरभंगा सवारी गाड़ी ]



जयनगर - दरभंगा के बीच दु जोड़ी सवारी गाड़ी चलनाय शुरू भs गेल अछि. एकरे संग दरभंगा सं दानापुर के बीच चलय वाला इंटरसिटी एक्सप्रेस आब जयनगर सं चलय लागल अछि. केंद्रीय गृह राज्यमंत्री आओर स्थानीय सांसद डॉ शकील अहमद आरजेडी सांसद देवेन्द्र प्रसाद यादव के संग जयनगर स्टेशन सं सवारी गाड़ी के झंडा दिखाकs रवाना कएलथिन्ह. मंत्री जी के कहनाय छलन्हि जे जल्दीए मधुबनी... रहिका... बिस्फी... बेनीपट्टी... कमतौल रेल लाइन के लेल सर्वे कराएल जाएत. जखन कि लौकहा... लौकही... सीतामढ़ी रेल लाइन के लेल जमीन अधिग्रहण के काज शुरू होएत. अगर सभ किछ ठीक रहल त अगिला मास गरीब रथ सेहो शुरू भs जाएत. गरीब रथ चलाबय के लेल कई बेर तारीख तय भेल मुदा कोनो न कोनो कारणे टलि जाएत रहल. आब उम्मीद कएल जाए जे त्योहारक मौसम मे एकर झंडा देखा देल जाएत. जयनगर सं बड़ी लाइन के बाद दरभंगा... मधुबनी... जयनगर के लोकहिं के नहिं नेपालक लोक सभ के सेहो फायदा भ s रहल अछि. व्यापार... इलाज... दोसरो काज के लेल आबय-जाय मे आब सहुलियत भs गेल अछि. पटना... बनारस... लखनऊ... कानपुर... दिल्ली... अमृतसर... सं सामान सभ सेहो लाबय मे सुभिस्ता भs गेल अछि. एहिठामक सामान सभ के सेहो सीधा बाजार मिलि गेल अछि. आबय-जाय मे बड़ दिक्कत छल . कई ठाम गाड़ी बदलै पड़ैत छल. सामान...धियापुता लs क कई ठाम चढु-उतरु... आब घर के लग चढु आ सीधे अपन मंजिल पर उतरु.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश