Bihar me community radio

बिहार में कम्यूनिटी रेडियो स्टेशन खुलत. अगर सभ किछ नीक रहल त ई कम्यूनिटी रेडियो स्टेशन समस्तीपुर मे खुलत. नहिं त राजनीतिक दांव पेंच मे ई बाढ़...पटना मे खुलि सकैत अछि. मिथिलाक नेता लोकनि के सेहो एहि लेल अपन संपर्क बैसेबाक चाही. समस्तीपुर मे खुलला सं किसान लोकनि के विशेष फायदा मिलि सकैत छनि किएक त समस्तीपुर दोसर अनाज केर संग सब्जी के उत्पादन मे बिहार मे सभसं आगां अछि. एहिठाम सं पूरा उत्तर बिहार मे सब्जी जाइत अछि. एहिठाम के लोक खेती सं किछ विशेष जुड़ल छथिन्ह. ओना तं बिहार के सवा आठ करोड़ जनसंख्या मे सं करीब सात करोड़ लोक खेतीबारी पर निर्भर छथिन्ह. मुदा ई इलाका सब्जी आओर तंबाकू के लsक दुनिया मे नाम कमौले अछि. एकर संग -संग एहि इलाका मे राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय, पुसा सेहो अछि. एहि सं नव- नव शोध... खोज के फायदा सेहो जल्दीए मिलि जाएत. वैज्ञानिक लोकनिक विचार सेहो जानल जा सकैत अछि. एहि कम्यूनिटी रेडियो सं किसान भाई के खेती के संग -संग गांव घर सं जुड़ल मामला... सरकारी योजना... सरकार के तरफ सं कएल जा रहल विकासक काज के जानकारी सेहो देल जाएत. रेडियो सं ओहि इलाका के जमीन... माइट- पानि... मौसम... बुआई... कटनी.. खाद- पानि... कीटनाशक के जानकारी देल जाएत. इहो बताएल जाएत कि कोन मौसम मे कोन चीजक खेती करनाय नीक होएत. कोन फसल के खेती सं बेसि फायदा होएत. कोन चीज के बाजार कतय छै. बाजार मे केना बिक रहल अछि. कोन ठाम बेचनाय नीक रहल. ई सभ जानकारी देल जाएत.
एकरा लेल बिहार सरकार के केन्द्र सं मंजूरी आओर पाई सेहो मिलि गेल अछि. मुदा एहि मे पेंच ई छै जे ई रेडियो स्टेशन कम शक्ति वाला होएत जाही सं 15- 20 किलोमीटर के लोके के फायदा भेंट सकय छन्हि. पन्द्रह- बीस किलोमीटर सं दूर नीक सं नहिं सुनाय देत. इहे सोचि बिहार सरकार चारि जगह कम्यूनिटी रेडियो स्टेशन शुरू करय के लेल केन्द्र सरकार सं मांग करने छल. मुदा सिर्फ एकटा स्टेशनक मंजूरी मिलल . आब देखु राजनीतिक मंच पर ककरा कामयाबी मिलैत अछि आ ई स्टेशन कतय खुलैत अछि. ओना जोर तं समस्तीपुर के लेल छै.

Comments

  1. स्वतंत्रता दिवस की बहुत बधाई एवं शुभकामनाऐं.

    ReplyDelete
  2. mithila khaskarke samastipur ke saksham logon ko yahan community radio khulwane ke liye dil se prayas karna chahiye.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

अहां केना सहैत होएब ?

हमर विआह- 8

किछ हरायल शब्द

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राग-विराग