Skip to main content

Posts

Showing posts from April, 2008

दरभंगा में तारामंडल खुलत

मिथिला के सभ लोकनि के लेल खुशी के खबर अछि. अहांक अपन दरभंगा में तारामंडल बनत. अखन बिहार में सिर्फ पटना में एकटा तारामंडल छै. खबर छै जे विश्वस्तरीय... अति आधुनिक बनय वाला एहि तारामंडल पर करीब 50 करोड़ रुपया के खर्च आयत. किछ लोकक कोशिश ई छलन्हि जे ई तारामंडल मुजफ्फरपुर में खुलय. मुजफ्फरपुर बिहार के केन्द्र में छै. मुदा पढ़ाई... लिखाई... शिक्षा के क्षेत्र में आगा रहय के फायदा दरभंगा के मिलल. दरभंगा में दु- दुटा विश्वविद्यालय... ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय... कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय अछि. दरभंगा मेडिकल कॉलेज आओर अस्पताल... आयुर्वेदिक कॉलेज... डेंटल कॉलेज... डब्ल्यूआईटी... पॉलिटेक्निक... पीटीएस... टीचर ट्रेनिंग कॉलेज जकां क्षण संस्थान होवाक कारणे दरभंगा के नाम आगा रहल. आओर तारामंडल दरभंगा में खोलय के फैसला कएल गेल अछि. तारामंडल के खोलय के मकसद विद्यार्थी सभ के बीच विज्ञान के लोकप्रिय बनयबाक छै. बा नहिं सरकार के कोशिश दरभंगा में साइंस म्यूजियम सेहो खोलय के छै. अखन दरभंगा में स्टेशनक बगल में एकटा म्यूजियम अछि जाहि में कइटा दुर्लभ चीज अहां...

एडुसेट सं जुड़ल मिथिला विश्वविद्यालय

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय एडुसेट सं जुड़ि गेल अछि. बिहार में एडुसेट... एजुकेशन थ्रू सेटेलाइट सं जुड़य वाला मिथिला विश्वविद्यालय पहिल विश्वविद्यालय भs गेल अछि. एकरे संग ई देश के 49वां विश्वविद्यालय अछि जतय सेटेलाइट इंटरेक्टिव टर्मिनल... एसआईटी के जरिए पढ़ाई कएल जा सकय अछि. एसआईटी के माध्यम सं सेटेलाइट सं लिंक जोड़ल जाइत अछि . विश्वविद्यालय के स्नातकोत्तर जन्तु विज्ञान विभाग में इसरो के मदद सं एसआईटी के सुविधा उपलब्ध करायल गेल अछि . अखन देश में ई सुविधा सभ आईआईटी. केन्द्रीय विश्वविद्यालय आओर बड़का मेडिकल संस्थान के पास अछि . स्थानीय एसआईटी के प्रभारी स्नातकोत्तर जन्तु विज्ञान विभाग के रीडर एम. निहाल जी के बनाओल गेल अछि . करीब ढ़ाई साल पहिने जखन पूर्व राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम दरभंगा डब्ल्यूआईटी... महिला प्रौद्योगिकी संस्थान के उद्धाटन करय आएल छलाह तखने कहने छलथिन्ह जे ओ एहिठाम एसआईटी के सुविधा देखय चाहैत छथिन्ह. हुनकर प्रयास सं इसरो एहिठाम सभ काज तेजी सं आओर बिना पाई के उपलब्ध करौलक अछि. आब मिथिला विश्वविद्यालय देश के सभ बड़का संस्थान सं जुड़ि गेल अछि. ए...

जयनगर सं गरीब रथ खुलत

गरीब रथ के लेल आब बेसि दिन तक इंतजार नहिं करय पड़त . रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव कहलथिन्ह अ जे जयनगर सं दिल्ली जाय वाला गरीब रथ जल्दीए खुलत. लहेरियासराय के पोलो मैदान में भेल एकटा अभिनंदन समारोह में ओ कहलथिन्ह जे पटना भs क दिल्ली जाय वाला एहि गरीब रथ में मात्र पांच सय रुपया में एसी के आनंद मिलत. लालूजी इहो कहलथिन्ह जे जल्दीए दरभंगा सं मुजफ्फरपुर के बीत रेल लाइन बिछाबय के काज सेहो शुरू कएल जाएत जाहि सं दिल्ली जाय में लोक के कम समय लागत आओर मुजफ्फरपुर जनाय सेहो आसान भs जाएत. रेल मंत्री के इहो कहनाय छलन्हि जे आब बिहार के कोनो इलाका रेल सं अछूता नहिं रहत. आठ टा नवका कारखाना खोलत जाएत. हुनकर कहनाय छलन्हि जे मिथिलांचल में रेलवे के अखन आओर विकास होएत. अभिनंदन समारोह में केंद्रीय मंत्री आओर दरभंगा के सांसद अली अशरफ फातमी सेहो मौजूद छलाह.

राजनगर : योग साधना शिविर

मधुबनी के राजनगर में 16 अप्रैल सं 20 अप्रैल तक योग साधना शिविर के आयोजन कएल गेल अछि. पतंजलि योग पीठ के सौजन्य सं होबय वाला एहि योग साधना शिविर के लेल लोक सं कोनो शुल्क नहिं लेल जाएत. राज कैम्पस के दुर्गा मंदिर परिसर में योग साधना के संग चिकित्सा शिविर सेहो लागल रहत. जाहि ठाम लोक निशुल्क इलाज सेहो करा सकय छथिन्ह. योग प्रशिक्षण... हवन... भजन... चिकित्सा शिविर सभ किछ योगाचार्य वेदश्रमी जी आओर गुरुकुल के आचार्य सत्यव्रत जी के देखरेख में होयत. पांच दिन तक चलय वाला एहि शिविर के सफलता के लेल एकटा समिति सेहो बनावल गेल अछि.

मीडिया कप पर नेशनल मीडिया के कब्जा

पहिल मीडिया कप पर नेशनल मीडिया के कब्जा भ गेल. मीडिया कप क्रिकेट के फाइलन में नेशनल टीवी चैनल के टीम हिन्दुस्तान पेपर के टीम के 41 रन सं हरा देलक. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मैदान में भेल एहि प्रतियोगिता के फाइलन में टॉस जीत कए नेशनल मीडिया के खिलाड़ी पहिने बल्लेबाजी करैत 20 ओवर में 138 रन बनौलाह. एहि में जी न्यूज के आलोक पूंज आओर न्यूज 24 के मणिशंकर 26- 26 रन बनौलाह. आजतक के प्रहलाद कुमार कीलू 18 रन ठोकलाह . जवाब में हिन्दुस्तान पेपर के सभ खिलाड़ी पूरा 20 ओवर तक पिच पर नहिं टिक सकला...आओर सिर्फ 97 रन बना सकलाह. डॉ संजय लाला 28 रन बनौलाह. 5 विकेट लेबय वाला प्रकाश झा के मैन ऑफ द मैच के खिताब देल गेल. खिलाड़ी सभ के पुरस्कार ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के वीसी श्री मिश्री लाल ठाकुर वितरित कएलथिन्ह. प्रतियोगिता के खत्म भेलाह के बाद गंगा एक्जक्यूटिव क्लब में रंगारंग कार्यक्रम के आयोजन सेहो कएल गेल. एहि मीडिया कप में भाग लय वाला सभ खिलाड़ि शामिल भेलाह. देर राति तक गीत नाद के कार्यक्रम चलैत रहल. मुदा गायक के संग-संग पत्रकार लोकनि सेहो गाना गाबि अपन प्रतिभा सं लोक के अवगत करैलथिन्ह

मैथिली पर्व

करीब एक मास तक अहां सभ सं गप्प नहिं भ सकल एहि के लेल माफ करब. व्यस्तता के कारण चाहिओ कs एम्हर देख नहिं सकलौं. मन त बड़ होयत छल मुदा किछ नहिं कs सकलौं. खैर आब फेर अहां सभ सं नियमित रूप सं भेंट होयत रहत. मनीगाछी के आस पास रहय वाला लोक सभ के लेल एकटा नीक गप्प ई अछि जे अगिला 14 आ 15 तारीख के वाणेश्वरीस्थान में विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के आयोजन कएल गेल अछि. समारोह के लेल जोर शोर सं तैयारी भ रहल छै. विद्यापति पर्व समारोह लेल 21 लोकक एकटा समिति बनाओल गेल अछि. समिति के संयोजक छथिन्ह डा. राम मोहन झा . समारोह में मिथिला के विशिष्ट लोक के सम्मानित सेहो कएल जाएत. एहि अवसर पर मैथिली गीत नाद के कार्यक्रम सेहो होयत