नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राज ठाकरे बनि गेलाह हीरो

महाराष्ट्रक राजनीति में राज ठाकरे हीरो बनि गेलाह अ. जमानत मिलला के बाद अदालत सं ओ एकटा नायक... विजेता के तरहे निकलला आओर हाथ लहराबैत अपन समर्थक के धन्यवाद देलाह. घर सं गिरफ्तार भेलाह पर अदालत तs अएला पुलिस के गाड़ी सं मुदा घर गेलाह अपने गाड़ी सं...ओहो खुद चला कs . अदालत आओर घर पर हुनकर समर्थक के भारी भीड़ हुनकर जय-जयकार करैत रहला. मराठी अस्मिता के मुद्दा उठा कs ओ ई साबित कs देलाह अ कि बाला साहेब ठाकरे के असली वारिस उहे छथिन्ह. बाला साहेब के बाद मराठी मानुस के बात करय वाला उहे छथिन्ह दोसर कोई नहिं. एकरा ओ डंका के चोट पर साबित कs दिखयलाह अ. शिवसेना में जखन हुनका बाला साहेब के उत्तराधिकारी नहिं बनाबलव गेल... उद्भव ठाकरे के बनाबल गेल त ओ महाराष्ट्र नव निर्माण सेना बना लेलाह. बना त लेलाह मुदा मराठी वोट पर कब्जा केना कएल जाय. एकरा लेल ओ बाला साहेब के तरहे मराठी अस्मिता... बेरोजगारी... बेकारी... मराठी मानुस वाला कार्ड खेलला. आओर ओ एकरा पूरा फायदा उठाबय में कामयाब रहला. राज ठाकरे के गिरफ्तारी सं सरकार सेहो फायदा में रहल. ओ केन्द्र सं आबय वाला दबाव के कम सेहो कए देलक आओर शिवसेना के वोट बैंक के दु -फाड़ सेहो . अखन तक जे मराठी वोट पर शिवसेना के एकछ्त्र कब्जा छल आब ओ दु हिस्सा में बंटि गेल . राज आओर उद्भव के बीच. अहां कहि सकय छी जे राज ठाकरे के नायक... हीरो बनय सं अगर सभस बेसि घाटा... नुकसान भेल अ त असली शिवसेना के... उद्भव ठाकरे के. आओर अगर ककरो सभ सं बेसि फायदा भेल अ त ओ कांग्रेस के. कांग्रेस एक तीर सं कइटा शिकार करय में कामयाब रहल अ. एहि में एनसीपी... बीजेपी... शिवसेना सभ हासिया पर चलि गेल अ. राज ठाकरे आगा त अएला अ मुदा एकर असल फायदा कांग्रेस के भेल अ. चालीस साल पहिने बाला साहेब जे मराठी मानुस के नाम पर मु्द्दा उठा राजनीति पर हावी भेल छलाह... कहि सकय छी ओहि मुद्दा के आब राज ठाकरे हथिया लेलन्हि अ.
एहि सं पहिने भारी सुरक्षा बल के मौजूदगी में राज ठाकरे के गिरफ्तार कए विक्रोली अदालत लs जाएल गेल. जतय हुनका जमानत मिलि गेलन्हि. असल में हिनका खिलाफ जे अदालत में सबूत पेश करल गेल ओ पुख्ता साबित नहिं भेल. हिनका ऊपर भड़काउ भाषण देबय... लोक के बांटय के आरोप लगल मुदा जे हिनकर बयान पेश कएल गेल ओ पूरा नहिं छल... आधा अधूरा छल. आखिर ओतय दिन सs सरकार इहे तs करि रहल छल. एहि तरहे मामला पेश कएल जाय जे टिकिए नहिं पायल.

4 टिप्‍पणियां:

  1. Raj is into opportunistic politics, plz see my blog i have written rgdng the same
    http://sunnyrajuspeaks.blogspot.com

    जवाब देंहटाएं
  2. आब बाल ठाकरे देलखिन आइग कए हवा

    मराठी बनाम उत्तर भारतीय के सवाल पर पिछला किछ दिन पहिने महाराष्ट्र म भड्कल आइग शांत होइए बला छले की ओकरा एक बेर फेर हवा दै के कोशिश शिव सेना प्रमुख बाल ठाकरे केलखिन य ! ओ मराठी अस्मिता के नाम पर हिंदी के खिलाप रुख दर्शाबैत बिहार के नेता आर रेल मंत्री लालू प्रसाद क सीधे निशाना बनेलखिन य ! बाल ठाकरे अपन पार्टी के प्रमुख्य पत्र 'सामना' के सम्पादकीय के जरिया लालू प्रसाद क तमिलनाडु के मरीन बिच पर छठ पूजा करै के बात क चूनोती देलखिन य ! अपने क मालूम हुए की लालू प्रसाद यादव महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के अध्यक्ष राज ठाकरे द्वारा उत्तर भारतीय के खिलाप चलेल गेल आंदोलन के जबाब म कहलाखिन रहा कि अगला बेर ओ मुम्बई म छठ पूजा मनेता ! जबाब म शिव सेना सुप्रीमो बाल ठाकरे संपादकीय म लिखलाखिंन कि "तमिलनाडु म मुख्यमंत्री करूणानिधि सब स्कूल म तमिल क अनिवार्य के देलखिन य ! बिहार क नर्क बनाबे बला लालू म हिम्मत छैन त ओ केन्द्र म अपन सहयोगी के सरकार के विरोध करै के लेल तमिलनाडु जैथ आर ओई ठाम बिहारी के मजमा लगाबैथ" ! बाल ठाकरे उत्तर भारत के ओई स्थानीय कांग्रेश नेता सब क आड़े हाथ लेलखिन जे सब कथित रूप स मुम्बई के नगर निगम (बी एम सी) म हिंदी क आधिकारिक भाषा बनाबे के मांग करैत छथिन ! हुनका सब पर निशाना साधेत ठाकरे लिखला हा, "पहिने हिनका सब क चेन्नई, बेंगलूर, हैदराबाद, कोलकाता, आर गुवाहाटी म एहेंन करे के कोशिश करबाक चाही ! अई ठाम महाराष्ट्र के धरती पुत्र मराठी या मुम्बई के शान म कुनू गुस्ताखी बर्दाश्त नै कर्थिन !" बाल ठाकरे बी एम सी मए हिंदी क आधिकारिक भाषा के दर्जा दै जाई के मांग करै बला नेता के खिलाप कानूनी करवाई करै के आर हुनका जेल मए बंद करै के मांग केलखिन य ! ओ महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री विलासराव देशमुखो क नै बख्शलखींन हुनकर बयांन "मुम्बई के दरवाजा सब लए खुलल छई के विरोध मए ठाकरे बाजला 'भूमि पुत्र के कीमत पर मुम्बई के शोषण होइत अछि ! मुम्बई म भूमि पुत्र कए वाजिब हक नै मिल रहले य !सच्चाई त इ छैन की बेचारा तिलमिलेल छैथ, कारन पहिने हुनकर अपन माटी आर आब अपन परिवार पर शासन नै रहलेंन ! परिवार क बिखरैत देख कए तिलमिलेबे करता आर हुनका सए हेबे की कर्तैन !!

    जवाब देंहटाएं
  3. आब बाल ठाकरे देलखिन आइग कए हवा

  4. hero nai va gela zero aa villen va gela raj thakery. ekta sanjay nirupam jakhan party chori delkani ta shiva sena ke kee hal va gelai se bala sahib aa raj dunu ke pata chani. marathi rajniti ehina chalai chai ehi me kono nab baat nai. ona agila election me raj ke pata chali jetani

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु