Skip to main content

राज ठाकरे बनि गेलाह हीरो

महाराष्ट्रक राजनीति में राज ठाकरे हीरो बनि गेलाह अ. जमानत मिलला के बाद अदालत सं ओ एकटा नायक... विजेता के तरहे निकलला आओर हाथ लहराबैत अपन समर्थक के धन्यवाद देलाह. घर सं गिरफ्तार भेलाह पर अदालत तs अएला पुलिस के गाड़ी सं मुदा घर गेलाह अपने गाड़ी सं...ओहो खुद चला कs . अदालत आओर घर पर हुनकर समर्थक के भारी भीड़ हुनकर जय-जयकार करैत रहला. मराठी अस्मिता के मुद्दा उठा कs ओ ई साबित कs देलाह अ कि बाला साहेब ठाकरे के असली वारिस उहे छथिन्ह. बाला साहेब के बाद मराठी मानुस के बात करय वाला उहे छथिन्ह दोसर कोई नहिं. एकरा ओ डंका के चोट पर साबित कs दिखयलाह अ. शिवसेना में जखन हुनका बाला साहेब के उत्तराधिकारी नहिं बनाबलव गेल... उद्भव ठाकरे के बनाबल गेल त ओ महाराष्ट्र नव निर्माण सेना बना लेलाह. बना त लेलाह मुदा मराठी वोट पर कब्जा केना कएल जाय. एकरा लेल ओ बाला साहेब के तरहे मराठी अस्मिता... बेरोजगारी... बेकारी... मराठी मानुस वाला कार्ड खेलला. आओर ओ एकरा पूरा फायदा उठाबय में कामयाब रहला. राज ठाकरे के गिरफ्तारी सं सरकार सेहो फायदा में रहल. ओ केन्द्र सं आबय वाला दबाव के कम सेहो कए देलक आओर शिवसेना के वोट बैंक के दु -फाड़ सेहो . अखन तक जे मराठी वोट पर शिवसेना के एकछ्त्र कब्जा छल आब ओ दु हिस्सा में बंटि गेल . राज आओर उद्भव के बीच. अहां कहि सकय छी जे राज ठाकरे के नायक... हीरो बनय सं अगर सभस बेसि घाटा... नुकसान भेल अ त असली शिवसेना के... उद्भव ठाकरे के. आओर अगर ककरो सभ सं बेसि फायदा भेल अ त ओ कांग्रेस के. कांग्रेस एक तीर सं कइटा शिकार करय में कामयाब रहल अ. एहि में एनसीपी... बीजेपी... शिवसेना सभ हासिया पर चलि गेल अ. राज ठाकरे आगा त अएला अ मुदा एकर असल फायदा कांग्रेस के भेल अ. चालीस साल पहिने बाला साहेब जे मराठी मानुस के नाम पर मु्द्दा उठा राजनीति पर हावी भेल छलाह... कहि सकय छी ओहि मुद्दा के आब राज ठाकरे हथिया लेलन्हि अ.
एहि सं पहिने भारी सुरक्षा बल के मौजूदगी में राज ठाकरे के गिरफ्तार कए विक्रोली अदालत लs जाएल गेल. जतय हुनका जमानत मिलि गेलन्हि. असल में हिनका खिलाफ जे अदालत में सबूत पेश करल गेल ओ पुख्ता साबित नहिं भेल. हिनका ऊपर भड़काउ भाषण देबय... लोक के बांटय के आरोप लगल मुदा जे हिनकर बयान पेश कएल गेल ओ पूरा नहिं छल... आधा अधूरा छल. आखिर ओतय दिन सs सरकार इहे तs करि रहल छल. एहि तरहे मामला पेश कएल जाय जे टिकिए नहिं पायल.

Comments

  1. Raj is into opportunistic politics, plz see my blog i have written rgdng the same
    http://sunnyrajuspeaks.blogspot.com

    ReplyDelete
  2. आब बाल ठाकरे देलखिन आइग कए हवा

    मराठी बनाम उत्तर भारतीय के सवाल पर पिछला किछ दिन पहिने महाराष्ट्र म भड्कल आइग शांत होइए बला छले की ओकरा एक बेर फेर हवा दै के कोशिश शिव सेना प्रमुख बाल ठाकरे केलखिन य ! ओ मराठी अस्मिता के नाम पर हिंदी के खिलाप रुख दर्शाबैत बिहार के नेता आर रेल मंत्री लालू प्रसाद क सीधे निशाना बनेलखिन य ! बाल ठाकरे अपन पार्टी के प्रमुख्य पत्र 'सामना' के सम्पादकीय के जरिया लालू प्रसाद क तमिलनाडु के मरीन बिच पर छठ पूजा करै के बात क चूनोती देलखिन य ! अपने क मालूम हुए की लालू प्रसाद यादव महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के अध्यक्ष राज ठाकरे द्वारा उत्तर भारतीय के खिलाप चलेल गेल आंदोलन के जबाब म कहलाखिन रहा कि अगला बेर ओ मुम्बई म छठ पूजा मनेता ! जबाब म शिव सेना सुप्रीमो बाल ठाकरे संपादकीय म लिखलाखिंन कि "तमिलनाडु म मुख्यमंत्री करूणानिधि सब स्कूल म तमिल क अनिवार्य के देलखिन य ! बिहार क नर्क बनाबे बला लालू म हिम्मत छैन त ओ केन्द्र म अपन सहयोगी के सरकार के विरोध करै के लेल तमिलनाडु जैथ आर ओई ठाम बिहारी के मजमा लगाबैथ" ! बाल ठाकरे उत्तर भारत के ओई स्थानीय कांग्रेश नेता सब क आड़े हाथ लेलखिन जे सब कथित रूप स मुम्बई के नगर निगम (बी एम सी) म हिंदी क आधिकारिक भाषा बनाबे के मांग करैत छथिन ! हुनका सब पर निशाना साधेत ठाकरे लिखला हा, "पहिने हिनका सब क चेन्नई, बेंगलूर, हैदराबाद, कोलकाता, आर गुवाहाटी म एहेंन करे के कोशिश करबाक चाही ! अई ठाम महाराष्ट्र के धरती पुत्र मराठी या मुम्बई के शान म कुनू गुस्ताखी बर्दाश्त नै कर्थिन !" बाल ठाकरे बी एम सी मए हिंदी क आधिकारिक भाषा के दर्जा दै जाई के मांग करै बला नेता के खिलाप कानूनी करवाई करै के आर हुनका जेल मए बंद करै के मांग केलखिन य ! ओ महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री विलासराव देशमुखो क नै बख्शलखींन हुनकर बयांन "मुम्बई के दरवाजा सब लए खुलल छई के विरोध मए ठाकरे बाजला 'भूमि पुत्र के कीमत पर मुम्बई के शोषण होइत अछि ! मुम्बई म भूमि पुत्र कए वाजिब हक नै मिल रहले य !सच्चाई त इ छैन की बेचारा तिलमिलेल छैथ, कारन पहिने हुनकर अपन माटी आर आब अपन परिवार पर शासन नै रहलेंन ! परिवार क बिखरैत देख कए तिलमिलेबे करता आर हुनका सए हेबे की कर्तैन !!

    ReplyDelete
  3. आब बाल ठाकरे देलखिन आइग कए हवा

  4. hero nai va gela zero aa villen va gela raj thakery. ekta sanjay nirupam jakhan party chori delkani ta shiva sena ke kee hal va gelai se bala sahib aa raj dunu ke pata chani. marathi rajniti ehina chalai chai ehi me kono nab baat nai. ona agila election me raj ke pata chali jetani

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...