Skip to main content

बारिश सँ बेहाल

मिथिलांचल केर लोक सभ क जेना नियति भ गेल छै परेशानी सँ दुई-चारि होय के...एकटा खत्म होय नई छै कि दोसर शुरू भ जाइत छै...अखन बाढ़ि सँ छुटकारा मिलबो नहिं करल कि एक हफ्ता सँ भ रहल बरखा स हालात आओर बिगड़ि गेल...बारिश अई जे थमई के नाम नहिं ल रहल छै...बारिश के साथे तेज हवा सेहो चलि रहल अछि...एहि स परेशानी आओर बढ़ि गेल...गाछ गिरल...कइटा घर के सेहो नुकसान पहुंचल...बाध-बन के तS बाते छोड़ु सड़क सभ पर ठामे-ठाम ठेहुन भर पानि लागल अछि...कई ठाम त सड़क पर पानि में गाड़ी सभ सेहो फंसल अछि...गाम घर त गाम घर...आहि-काल्हि अहां दरभंगा के टॉवर चौक नहिं जा सकय छी...टॉवरो चौक पर पानि लागल छै...लोक सभ के एक किलोमीटर जाय के लेल तीन-तीन चारि चारि मीटर लंबा रास्ता तय करय पडैत छैन...
बारिश नहिं रुकला स लोक सभ के घर स निकलनाय मुश्किल भ गेल अछि...कई मुहल्ला में त घर स बाहर निकलु नहिं कि ठेहुन भर पानि केर दर्शन भय जाएत...कई ठाम घर में सेहो पानि धुसि गेल छै...दरभंगा सँ लहेरियासराय जाय के क्रम में अहां के कई ठाम मेन रोड पर ठेहुन भर पानि मिल जाएत...बस स्टैंड, बेला...टॉवर चौक सँ लक लक्ष्मीसागर...लहेरियासराय तक पानि भरल छै...स्कूल कॉलेज- दफ्तर सभ सेहो पानि के गिरफ्त में अई...डीएमसीएच सेहो चारु कात स पानि में डुबल अछि...दोसर के त बाते छोडु दरभंगा नगर निगम के दफ्तर में सेहो पानि भरल छै.
पानि सँ लोकक जीवन अस्त व्यस्त भ गेल अछि...निकासी नहिं भेला स स्थिति आओर गंभीर बनल अछि...एहि बीच दरभंगा प्रशासन के तरफ सँ बाढि पीड़ित के लीटर मिट्टी तेल देल जा रहल अई...मुदा जखन धरि एकरा पर लगाम लगाबय लेल ठोस उपाय नहिं कएल जायत एहि तरहक परेशानी होयत रहत...नेपाल सरकार सँ मिलि कय बांध...डैम पर बात करय पडत़..नदि के जोड़य के बात पर सेहो ध्यान देबय के जरूरत छै.

Comments

  1. जी अच्छा किया आपने जो अपनी क्षेत्रीय भाषा में बात रखी है जी हां ये बात सही है कि बारिश से हाल बेहाल है।

    ReplyDelete
  2. धन्यवाद...एहिना उत्साह बढावैत रहुं...

    ReplyDelete
  3. namaskar hitindra ji!

    ee nishchit taur par chinta ke vishay achhi,,je ena har saal mithila prant me pain aur baidh ke samasya aaib rahal aichh,,,humar ghar'k aaga akhno thehun bhair pain lagal aichh madhubani me,,,shahri kshetr ke ee haal aichh,,t' gramin kshetra ke kalpna kariyau!!

    nishchit taur par bandh-nirman par shighratisheegr kaam shuru huwak chahi,,,aee ke lel je prayas huwak chahi hamra -ahan taraf s',,tai hetu sujhaw del jau,,aur se kail jai,,!

    dhanyawaad!!

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...