Skip to main content

दरभंगा जयनगर बड़ी लाइन


आखिरकार दरभंगा स जयनगर के बीच ट्रेनक चलनाय शुरू भ गेल...रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव २५ तारीख के जयनगर स कोलकाता के बीच चलय वाला गंगासागर एक्सप्रेस के झंडा दिखा बड़ी लाइन के उद्घाटन कएलाह...एहि अवसर पर रेलमंत्री मिथिलांचलक लोकके भरोसा देलथिन्ह जे जल्दीए जयनगर-दिल्ली के बीच गरीब रथ ट्रेन शुरू कएल जायत आओर जयनगर स्टेशन के माडल स्टेशन बनायओल जाएत।जयनगर स्टेशन स फिलहाल दुई जोड़ी सवाड़ी गाड़ी, शहीद एक्सप्रेस, जानकी एक्सप्रेस, सरयू यमुना एक्सप्रेस आओर कमला गंगा इंटरसिटी एक्सप्रेस चलत...बाद में दोसरो गाड़ी के एहिठाम स विस्तार देल जायत...रेल मंत्री लालू यादव कहलथिल्ह जे सीतामढ़ी-भीट्ठामोड़, जयनगर, लौकहा, निर्मली, रेल लाईन के सर्वे कार्य संपन्न भ चुकल छै आओर अगला बजट में सीतामढ़ी, निर्मली रेल लाईन के कार्य आरंभ कए देल जाएत।

दरभंगा जयनगर के बीच मीटर गेज (एमजी) बिछय के लगभग सौ साल बाद ब्राड गेज (बीजी) गाड़ी के परिचालन शुरू भेल अछि .. 1964 ई. में प्रकाशित पीसी चौधरी जीक किताब'बिहार डिस्ट्रिक्ट गजेटियर' के अनुसार 1907 वर्ष में सकरी-जयनगर के बीच नयी लाइन शुरू कएल गेल छल

श्री लालू यादव के सभा में भारी भीड़ उमड़ल...असल में रेल लाइन बंद भेला स लोक बड़ परेशान छलाह... कई बेर धरना प्रदर्शन...बंद सेहो भेल रहय..आब एक बेर फेर स रेल लाइन शुरू भेला स लोक सभ खुश छथिन्ह...मिथिलांचल स बाहर रहल वाला लोक लभ के सेहो ध्यान एहि बात पर लागल छल जे कहिका एकर उद्घाटन होयत...एहिस सिर्फ बिहार के दरभंगा मधुबनी के लोक के नहिं बल्कि नेपालक लोक के सेहो फायदा होयत...जयनगर में बैठु आओर सीधे दिल्ली...कोलकाता अमृतसर पंजाब पहुंचु....एखन भले एगो दुगो गाड़ी चलय के शुरू भेल अ धीरे धीरे दोसरो गाड़ी सभ चलबे करत... लोकसभ के बड़का सुविधा भऽ गेल अछि। आब रोजगारों खूब भेटत...इलाका में खुशहाली आयत।

ओना दरभंगा जयनगर रेलखंड पर ट्रेन चलनाय शुरू भेनो के बाद लोक में मुंहतकी के आलम छैबे छै ... लोकल गाड़ी अखन नहिं के बराबर अछि...नहिं कोनो टाइम टेबल उपलब्ध छै नई कोनो ट्रेन दिखि रहल छै...बस इहे उम्मीद छै जे बड़ी लाइन के उद्गाटन भ गेल त ट्रेने चलबे करत

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...