Skip to main content

मिथिला राज्य

NARAD:Hindi Blog Aggregatorचिट्ठाजगत अधिकृत कड़ी

मिथिला राज्य के मांग एक बेर फेर जोर पकड़य लागय अछि...देश में कइटा राज्य एहन अछि जे क्षेत्रफल आओर जनसंख्या के हिसाब स देखल जाय त मिथिला स छोट अछि...मुदा राज्य बनला के बाद वो खूब तरक्की कएलक अछि...ओहिठाम लोकक जीवन स्तर सुधरल अछि...लोकक इनकम आओर पर्चेज पावर बढ़ल अछि...लोक के रोजगार के बेहतर अवसर मिल रहल अछि...उद्योग धंधा नहि रहलो पर ऊ राज्य खूब तरक्की कए रहल अछि...एहि में आईटी...बीपीओ...खाद्य प्रसंस्करण...पर्यटन...चिकित्सा, शिक्षा संस्थानक विशेष योगदान रहल अछि...मुदा एकरा लेल बेहतर इंफ्रास्ट्रकचर जरूरी अछि... बिना बेहतर रेल...सड़क संपर्क के विकासक बयार नहिं बहत...आओर ई बयार बहाबय लेल अलग राज्य बेहतर विकल्प भ सकैय अछि...अलग राज्यक मांग लय क पिछला दिन दिल्ली के जंतर मंतर पर मैथिली लोकनि धरना प्रदर्शन कएलन्हि... अखिल भारतीय मिथिला संघर्ष मोर्चाक अगुआई में भेल एहि धरना प्रदर्शन में मिथिला राज्य मांग जोर शोर सं उठाइल गेल....समिति के अध्यक्ष बैद्यनाथ चौधरी बैजू जीक संग सभ लोकनिक कहबाक छलैन जे मिथिला आदि काल स स्वतंत्र राज्य छल...मुदा आजादी के बाद राज्य नहिं बनला स ई उपेक्षा के शिकार बनल अछि...

राज्य नहिं बलबाक एकटा कारण कहल जाइ त मिथिला स कोनो कद्दावर नेता के नहिं होबाक सेहो अछि...एकोटा एहन नेता नहिं भेलाह जे केन्द्र सरकार स अपन मांग मनाबय जानैत होयताह...वो ई एङि कद के नहिं भेलाह जिनका कहला पर सभ मैथिल लोकनि अक साथ खाड़ भ जयथिन्ह...एतेक जनाधार वाला नेताक कमी॥आओर पार्टी पॉलिटिक्स के कारण ई मुद्दा लटकल...फंसल अछि...जय मिथिला.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...