ओना तं बाबा विश्वनाथ जीक नगरी काशी... बनारस जाए के मौका त पहिनहुं मिलल छल मुदा एहि बेर देव दीपावली पर परिवारक संग ई सौभाग्य मिलल. कार्तिक पूर्णिमा के दिन देव दीपावली पर एहिठाम बड़ भव्य आयोजन होएत अछि. देश-विदेश सं सेहो एहिठाम हजारों लोक आबय छथिन्ह. हम एहिठाम देव दीपावली के किछ वीडियो एहिठाम राखि रहल छी... ओहि भव्य आयोजन के अहां सभ सेहो देख आनंद लिअ.