टाइम्स ऑफ इंडिया के पत्रकार के जरूरत

अंग्रेजी अखबार टाइम्स ऑफ इंडिया मे जॉब करय लेल नीक मौका अछि. टाइम्स ऑफ इंडिया के दिल्ली, नोएडा आओर गुड़गांव लेल पत्रकार के जरूरत अछि.

टाइम्स ऑफ इंडिया जैसन बड़का ग्रुप मे अगर अहां काज करय चाहय छी तं एहन मौका बेर-बेर नहि मिलत. अखबार के कॉपी एडिटर, सीनियर कॉपी एडिटर, कॉरेस्पोंडेंट, सीनियर कॉरेस्पोंडेंट आओर
चीफ कॉपी एडिटर चाही.

कॉपी एडिटर/सीनियर कॉपी एडिटर : नोएडा

अखबार के नोएडा मे कॉपी एडिटर आओर सीनियर कॉपी एडिटर चाही. एहि के लेल अहांके पत्रकारिता मे डिग्री या डिप्लोमा होबाक चाही. प्रिंट मीडिया मे एक से तीन साल के अनुभव होनाए सेहो जरूरी अछि.

कॉरेस्पोंडेंट/सीनियर कॉरेस्पोंडेंट (रिपोर्टर): दिल्ली, नोएडा आओर गुड़गांव

दिल्ली, नोएडा आओर गुड़गांव ऑफिस लेल अखबार के कॉरेस्पोंडेंट/सीनियर कॉरेस्पोंडेंट (रिपोर्टर) चाही. एकरा लेल सेहो अहांके पत्रकारिता मे डिग्री या डिप्लोमा होबाक चाही. प्रिंट मीडिया मे एक से तीन साल के अनुभव होनाए सेहो जरूरी अछि.

चीफ कॉपी एडिटर: नोएडा

अखबार के नोएडा ऑफिस लेल चीफ कॉपी एडिटर सेहो चाही. एहि लेल तीन सं आठ सालक अनुभव चाही. एहि लेल अहां के प्रिंट मीडिया मे लेखन- संपादन के नीक अनुभव जरूरी अछि.

टाइम्स ऑफ इंडिया अंग्रेजी अखबार अछि एहि लेल कहय के जरूरत नहि अछि जे अहां के अंग्रेजी पर नीक पकड़ होबाक चाही.

अगर टाइम्स ऑफ इंडिया मे काज करय चाहय छी तखन जल्दी सं अपन रिज्यूमे careers.north@timesgroup.com ईमेल पर भेज दिऔ.

अप्लाई करय के लास्ट डेट 15 अगस्त 2015 अछि.

एकटा बात ध्यान राखब जे ईमेल के  सब्जेक्ट लाइन मे Times_Position_Location जरूर लिखब.

अहां सभ के हमर शुभकामना...

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु