हिन्दुस्तान टाइम्स के चाही पत्रकार

हिन्दुस्तान टाइम्स अंग्रेजी अखबार के पत्रकार के जरूरत अछि. हिन्दुस्तान टाइम्स के अखबार आओर वेबसाइट के लेल दिल्ली मे पत्रकार चाही.

दिल्ली मे टाइम्स ऑफ इंडिया आओर हिन्दुस्तान टाइम्स सभसं पैघ अखबार मे अछि. दुनू मे नंबर एक लेल टक्कर चलैत रहैत अछि. अगर अहां एहि टॉप के अंग्रेजी अखबार संग काज करय
चाहय छी तं ई अहां लेल नीक मौका अछि.

हिन्दुस्तान टाइम्स के अपन अखबार लेल प्रोडक्शन एडिटर जखन कि वेबसाइट लेल ऑनलाइन न्यूज एडिटर, चीफ कॉपी एडिटर, सीनियर कॉपी एडिटर आओर कॉपी एडिटर चाही.

एहि के लेल अहांक अंग्रेजी पर नीक पकड़ होबाक चाही. अहांक पास पत्रकारिता के डिग्री के संग डिजिटल मीडिया के ज्ञान सेहो होबाक चाही.

अगर अहां अप्लाई करय चाहय छी तं देर नहि करु जल्दी सं अपन रिज्यूमे jobs@hindustantimes.com  भेज दिऔ. मेल के सब्जेक्ट लाइन मे कोन पोस्ट लेल अप्लाई करि रहल छी से लिखनाय नहि बिसरब.

अहां सभ के हमर शुभकामना...

2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु