रामविलास, राबड़ी आओर रूडी के भाग्यक फैसला ईवीएम मे बंद

बिहार मे बुधदिन लोकसभा चुनाव के पाचिम चरण मे सात सीट पर वोट पड़ल. एहि चरण मे पूर्व रेलमंत्री रामविलास पासवान, पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी आओर बीजेपी के राजीव प्रताप रूडी जीक भाग्यक फैसला ईवीएम मे बंद भs गेल.

एहि चरण मे बिहार मे 56 प्रतिशत वोटिंग भेल. देशभर मे जेहि हिसाब सं वोटिंग भs रहल अछि ओहि सं त ई कम अछि मुदा ई पिछला लोकसभा चुनाव सं करीब 11 प्रतिशत बेसि अछि.

अगर सीतामढ़ी जिला के बथनाहा मे रामनगरा गोलीकांड के छोड़ि
देल जाए तं मतदान शांतिपूर्ण रहल. सीतामढ़ी जिला मे पुलिस के गोली से एक व्यक्ति मारल गेलाह.

एहि चरण मे सीतामढ़ी मे 54, मुजफ्फरपुर मे 62 प्रतिशत, शिवहर मे 56 प्रतिशत, महाराजगंज मे 53 प्रतिशत,  हाजीपुर (सुरक्षित) मे 56, सारण मे 56 प्रतिशत आओर उजियारपुर मे 56 प्रतिशत वोट पड़ल.

जेहि सात सीट पर बुध दिन वोट पड़ल ओहि पर 10 महिला उम्मीदवार सहित कुल 118 उम्मीदवार मैदान मे छथिन्ह.

हाजीपुर सं एलजेपी प्रमुख आओर पूर्व रेलमंत्री रामविलास पासवान मैदान मे छथिन्ह. सारण लोकसभा सीट पर पूर्व मुख्यमंत्री आओर आरजेडी उम्मीदवार राबड़ी देवी के मुकाबला बीजेपी के राजीव प्रताप रूडी सं छनि.

मुजफ्फरपुर से पूर्व केंद्रीय मंत्री आओर कांग्रेस उम्मीदवार अखिलेश प्रसाद सिंह ठाड़ छथिन्ह जखन कि महाराजगंज सं आरजेडी के मौजूदा एमपी प्रभुनाथ लड़ि रहल छथिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु