चेकिंग अभियान सं दिक्कत बढ़ल

लोकसभा चुनाव के लsक आईकाल्हि मिथिला मे घोड़ा-गाड़ी मे चेकिंग तेज भs गेल अछि. चुनाव के कारण लोक सभ के गाड़ी जब्त सेहो कएल जा रहल अछि.

अखन जब्ती किछ कम भs रहल अछि. जेना-जेना वोट के दिन नजदीक आएल जाएत... गाड़ी जब्ती मे तेजी आएल जाएत.

अखन त दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, सहरसा, पूर्णिया, मधेपुरा आओर बेगूसराय मे वाहन
चेकिंग अभियान चलाएल जा रहल अछि.

गाड़ी सभ के कागज-पत्र देखल जा रहल अछि. कागज मे कनिओ कमी रहला पर गाड़ी जब्त करि थाना मे जमा करा देल जा रहल अछि.

जांच अभियान चलय के कारण लोक सभ आई-काल्हि अपन गाड़ी कमहिं निकालए छथि. कोशिश करय छथिन्ह जे पब्लिक ट्रांसपोर्ट से आएल-जाएल जाउ.

चुनाव के समय पब्लिक ट्रांसपोर्ट वाला सभ सेहो अपन गाड़ी आन दिन के तुलना मे कम निकालय छथिन्ह. सभ के जब्त क इलेक्शन ड्यूटी पर लगा देल जाएत अछि.

गाड़ी वाला के ई परेशानी रहैत अछि जे एकटा कमाई तं बंदे भ जाएत अछि दोसर गाड़ी पेरा जाएत अछि. पाई आ गाड़ी के खर्चक बिल लेल सरकारी ऑफिस मे बाद मे दौड़ेत रहुं.

एहि लेल चुनाव के समय के कइटा गाड़ी वाला अपन गाड़ी के गैरेज मे डालि दै छथिन्ह. एहि टाइम मे ओ गाड़ी सभ के मरम्मत...सर्विसिंग लेल गैरेज मे डालि परेशानी सं बचय चाहय छथिन्ह.

चुनाव के टाइम भाड़ा पर चलय वाला गाड़ी सभ के तं बात छोड़ु... अपना दिस निजी इस्तेमाल वाला गाड़ी के सेहो जब्त कs चुनाव कार्य मे लगा लेल जाएत अछि.

एहि लेल लोक रोड पर गाड़ी कम निकालय छथिन्ह. रोड पर चुनाव तक कम गाड़ी निकलला के कारण लोक सभ के कतहुं आबए-जाए मे बड़ परेशानी होए छनि.

चुनाव के टाइम गाड़ी जब्ती वाला बात अपने दिस अछि... दिल्ली...नोएडा...मुंबई दिस एहन नहि देखलौं. इलेक्शन ड्यूटी लेल एकोटा गाड़ी सीज नहि कएल जाएत अछि.

एक दिन पहिनहुं तक कोनो परेशानी नहि. सिर्फ चुनाव के दिन वोट डालय लेल छु्ट्टी होए के कारण घोड़ा-गाड़ी कम चलैत अछि. एहि दिन निजी गाड़ी बेसि चलैत अछि.

अखन तं शुरुआत अछि ई परेशानी चुनाव खत्म भेलाह तक रहत.



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु