आब राबड़ी के खिलाफ नहि लड़ताह साधु

साधु यादव आब अपन बहिन राबड़ी देवी के खिलाफ सारण लोक सभा सीट सं नहि लड़ताह.

बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री आओर आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जीक साला साधु यादव (अनिरुद्ध प्रसाद) के कहनाए छनि जे आब वो सारण के बदला महराजगंज सं चुनाव लड़ताह.

एहि सं पहिने साधु यादव अपन बहिन राबड़ी देवी के खिलाफ सारण सं निर्दलीय चुनाव लड़य के घोषणा कएने छलखिन्ह. एहि सं एहिठाम के सियासी माहौल
गरमा गेल छल.

मुदा आब हुनकर कहनाए छनि कि समर्थक सभ चाहैत अछि जे हुनका महराजगंज सं चुनाव लड़बाक चाही. समर्थक के मांग पर वो ओहिठाम सं चुनाव लड़य जा रहल छथिन्ह.

साधु यादव इहो साफ कएलखिन्ह जे ओ ई फैसला कोनो दबाव मे नहि ल रहल छथिन्ह आओर एहि बारे मे हुनकर राबड़ी देवी आ लालू यादव किनको सं गप नहि भेलन्हि.

भाई साधु यादव के हटला के बाद आब राबड़ी देवी के सीधा मुकाबला बीजेपी के राजीव प्रताप रुडी सं छनि. एहि ठाम सात मई के वोट डालल जाएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु