गूगल पत्रकारिता फैलोशिप-2013

पत्रकारिता सं फैलोशिप करय वाला छात्र के लेल नीक खबर अछि.

पत्रकारिता के पढ़ाई करि रहल छात्र के लेल गूगल के तरफ सं 10 हफ्ता के गूगल पत्रकारिता फैलोशिप शुरू भ रहल अछि. गूगल के तरफ सं एहि तरह ई पहिल कोशिश अछि.

एहि मे आठ टा पत्रकार के मौका मिल पाएत. ई फैलोशिप 3 जून 2013 सं फ्लोरिडा के
नाइट फाउंडेशन मे शुरू होएत. अगर अहां पत्रकारिता के कोनो डिग्री वाला कोर्स करि रहल छी तं एहि पर जरूर ध्यान देब.

फैलोशिप के दौरान अहां के 7500 अमेरिकी डॉलर के छात्रवृति और यात्रा भत्ता के रूप में एक हजार अमेरिकी डॉलर देल जाएत.

अप्लाई करय के आखिरी तारीख अछि 13 जनवरी. एहि लेल देर नहि करु अगर फैलोशिप करय चाहय छी तं बेसि जानकारी के लेल एहि लिंक के क्लिक करु-
http://www.google.com/get/journalismfellowship/

3 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु